लागुऔषधसहित देशक विभिन्न स्थानसँ १३ गोटे गिरफ्तार


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, १५ कातिक : नियमित गस्तीमे रहल प्रहरी टोली देशक विभिन्न स्थानसँ लागुऔषधसहित १३ गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अइछ । अभियुक्तसभसँ लागुऔषधके अतिरिक्त चिकित्सकके सिफारिसमे मात्रे खरिद कएल जाएबला दबाइ, नगद २० हजार २ सओ टका आ एकटा मोटरसाइकल सेहो बरामद कएल गेल अइछ ।

केन्द्रीय प्रहरी समाचारकक्षक अनुसार शुक्रदिन आ शैनदिन काठमाण्डूके दू स्थानसँ तीन, झापा आ सुनसरीके एक–एक स्थानसँ दू–दू, पर्सा, लमजुङ आ बर्दियाके एक–एक स्थानसँ एक–एक तथा कैलालीके दू स्थानसँ तीन गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

काठमाण्डू महानगरपालिका–६ चुच्चेपाटीसँ ब्राउनसुगर चाइर ग्राम २ सओ ५० मिलिग्राम आ नगद २० हजार २ सओसहित सिन्धुपाल्चोकके भोटेकोशी गाउँपालिका–३ घर भेल ३९ वर्षीय छिरीङ शेर्पा गिरफ्तार भेल छैथ । काठमाण्डू महानगरपालिका–३२ जड़िबुटीसँ ब्राउनसुगर छ ग्राम ७ सओ ४० मिलिग्रामसहित दू गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

झापाके झापा गाउँपालिका–५ खयरबारीसँ ब्राउनसुगर एक ग्राम ९५ मिलिग्रामसहित बाह्रदशी गाउँपालिका–२ के २४ वर्षीय खड्ग राजवंशी आ ओएह गाउँपालिका–१ के २५ वर्षीय चैतन हेमरम गिरफ्तार भेल छैथ ।

पर्साके वीरगञ्ज महानगरपालिका–१६ बसपार्कसँ लागुऔषध डाइजेपाम २७ एम्पुल, फेनारगन २९ एम्पुल आ बुप्रेनोर्फिन २८ एम्पुलसहित धादिङके ज्वालामुखी गाउँपालिका–२ घर भेल २० वर्षीय निमा लामा शेर्पाकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइ ।

कैलालीके धनगढी उपमहानगरपालिका–४ चटकपुरस्थित गोकुलेश्वर चौलानी होटलके रुम तलासी कएलापर ब्राउनसुगर एक सओ २७ मिलिग्रामसहित डोटीके जोरायल गाउँपालिका–२ के २५ वर्षीय अमर बहादुर कुँवरकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

तहिना, भजनी नगरपालिका–३ कुसुमघाटसँ एक ग्राम ५० मिलिग्राम ब्राउनसुगरसहित दू गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ । दूनु गोटेमध्ये रोशन सार्की प्रयोग कएने मोटरसाइकल प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अइछ ।

लमजुङके बेँसीसहर नगरपालिका–१ देउरालीडाँडासँ डाइजेपाम, बुप्रेनोर्फिन आ फेनारगन १०÷१० एम्पुलसहित बेँसीसहर नगरपालिका–८ भुलभुलेके ३० वर्षीय सुजन तामाङकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

सुनसरीके कोशी गाउँपालिका–१ लौकही केराबारीसँ दू ग्राम एक सओ ७० मिलिग्राम ब्राउनसुगरसहित दुहबी नगरपालिका–३ के ३४ वर्षीय दीपक परियार आ उदयपुरके बेलका नगरपालिका–३ के ३२ वर्षीय बल बहादुर थापाकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

बर्दियाके बढैयाताल गाउँपालिका–७ कर्णाली पुलसँ दू ग्राम ७ सओ १० मिलिग्राम ब्राउनसुगरसहित बाँकेके कोहलपुर नगरपालिका–९ के २१ वर्षीय सुशील परियारकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय