काठमाण्डू, २१ कातिक : संघीय संसदक संसदीय सुनुवाइ समिति सर्वोच्च अदालतक न्यायाधीश पदपर नियुक्तिक लेल सिफारिस चाइर गोटेक नाम सर्वसम्मतिसँ अनुमोदन केलक अइछ।
समितिक बैसारमे उच्च अदालत पोखराक मुख्य न्यायाधीश डा. रत्नबहादुर बागचन्द, उच्च अदालत पाटनक न्यायाधीश चन्द्रबहादुर सारु, उच्च अदालत पाटनक हेटौँडा इजलासक न्यायाधीश जनक पाण्डे आ उच्च अदालत जनकपुरक वीरगञ्ज इजलासक न्यायाधीश गोकर्ण डाँगीक नाम अनुमोदन कएल गेल अइछ।
न्याय परिषद बितल आसिन २० गते हुनकासभक नाम सर्वोच्च अदालतक न्यायाधीश पदपर नियुक्तिक लेल सिफारिस कएने छल।
समिति प्रस्तावित चारू न्यायाधीशक संसदीय सुनुवाइक प्रक्रिया अइ कातिक १९ गतेसँ शुरू कएने छल।
समितिक सभापति बोधनारायण श्रेष्ठअनुसार प्रस्तावित न्यायाधीशसभक विरुद्ध १३ टा उजुरी पड़ल छल। न्याय परिषदक सिफारिसपर संसदीय सुनुवाइ समितिसँ नाम अनुमोदन भेलाक बाद राष्ट्रपतिद्वारा न्यायाधीश नियुक्त करबाक संवैधानिक व्यवस्था अइछ। (रासस)





