पश्चिमी वायुके प्रभावसँ किछ स्थानपर वर्षा आ हिमपातके सम्भावना


काठमाण्डू, २९ कातिक : हाल देशमे पश्चिमी वायुके आंशिक प्रभाव रहल तथा हिमाली आ पहाड़ी भागमे आंशिक मेघ लागल अइछ ।

मौसम पूर्वानुमान महाशाखा अनुसार आइ दुपहर हिमाली भाग तथा कोशी, गण्डकी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक पहाड़ी भागमे साधारणतया मेघ लागत, तँ बाँकी पहाड़ी आ तराई भेगमे आंशिक मेघ लागत ।

कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भागक किछ स्थान आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भागक किछ स्थानपर मेघगर्जन/ठन्का आ पाथरसहित मध्यम वर्षा तथा हिमपातके सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ । कोशी, बागमती आ लुम्बिनी प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भागक एक/दू स्थानपर हल्का वर्षा तथा हिमपात होबाक सम्भावना अइछ ।

आइ राइत देशक हिमाली भागमे साधारणतया मेघ लागत, तँ कोशी प्रदेशलगायत पहाड़ी भेगमे आंशिक मेघ लागत । तराई, उपत्यका तथा खोँचक किछ स्थानपर कुहेस लागल अइछ । हिमाली भू–भाग तथा कोशी, गण्डकी आ कर्णाली प्रदेशक पहाड़ी भागक एक/दू स्थानपर हल्का वर्षा तथा हिमपात होबाक सम्भावना अइछ ।

सम्भावित वर्षा, हिमपात, ठन्का आ पाथरक जोखिमकेँ ध्यानमे राइख सर्वसाधारण तथा सम्बन्धित निकायकेँ मौसमी सूचना आ पूर्वानुमानबारे नियमित जानकारी लेबाक लेल महाशाखा आग्रह केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय