लामिछाने दम्पतीद्वारा गङ्गासागर छैठ घाटपर उगैत सूर्यकेँ अरघ


जनकपुरधाम, ३० कातिक : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) के सभापति रवि लामिछाने आ हुनक पत्नी निकिता पौडेल लामिछाने जनकपुरधामस्थित गङ्गासागर पोखैरक छैठ घाटपर आइ भोर उगैत सूर्यकेँ अरघ देलैन अइछ ।

छैठ पाबैन मनेबाक लेल जनकपुरधाम आएल लामिछाने दम्पती गङ्गासागरस्थित छैठ घाटपर रैबदिनि साँझ अस्ताइत सूर्य आ आइ भोर उगैत सूर्यकेँ अरघ देलैन ।

उपमहानगरपालिका–२ स्थित शिव चौकपर नरेश साहके घरसँ ओसभ ढाकी ल क छैठ घाट पहुँचल छलैन । हुनकासभ सङे परिवारक अन्य सदस्य तथा शुभेच्छुक सेहो छैठ घाट पहुँचल छलैन ।

अइ बीच, आइ भोर उगैत सूर्यकेँ अरघ देलाक बाद चाइर दिनधैर मनाएल जाएबला अइ सालके छैठ पाबैन विधिवत रूपमे सम्पन्न भेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय