जनकपुरधाम, ३ अगहन : मधेश प्रदेशमे नयाँ सरकार गठनक लेल प्रदेश प्रमुख देल गेल समयसीमा पूरा होएसँ एक दिन पहिनेधैर दलसभहक बीच सत्ता नेतृत्व आ सरकार गठनके स्वरूपबारे सहमति नै भ सकल अइछ ।
कोनो दलसँ एकल सरकार गठन करए लेल आवश्यक बहुमत नै रहलासँ तीनसँ चाइर दल बीचके सहकार्यमे मात्रे नयाँ सरकार गठन भ सकत, मुदा सरकार गठनक लेल गठबन्धन बनेबाक विषयमे दलसभ बीच ठोस सहमति नै भेलासँ राजनीतिक अन्योलता बढ़ल अइछ ।
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) आ नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) नेपाली कांग्रेस नेतृत्वके सरकारसँ समर्थन फिर्ता लेलासँ मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादव पदसँ राजीनामा देने छलैथ।
प्रदेश प्रमुख सुरेन्द्र लाभ कर्ण मुख्यमन्त्री यादवके राजीनामा स्वीकृत करैत काइल शुक्रदिनधैर संविधानके धारा १६८के उपधारा (२) बमोजिम प्रदेशसभामे प्रतिनिधित्व करैबला दू वा दूसँ बेसी दलके समर्थनमे बहुमत प्राप्त प्रदेशसभा सदस्यकेँ मुख्यमन्त्री पदमे नियुक्तिक लेल दाबी पेश करबाक समयसीमा निर्धारण कएने छल ।
नेकपा संसदीय दलक नेता युवराज भट्टराई कहलैन “विभिन्न दलबीच सरकार गठनके विषयमे बातचित भ रहल छै। कोन दलके नेतृत्वमे सरकार बनाएब से विषयमे ठोस सहमति नै भ सकल छै । अखनो किछ समय बाँकी छै, देखल जाए किछ सहमति भ सकत कि !”
मधेश प्रदेशसभाक सबसँ पैघ दल जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपाल नयाँ सरकार गठनबारे निर्णय नै ल सकलासँ सेहो प्रक्रिया अन्योलमे पड़ल अइछ । एमाले आ नेकपा, जसपा नेपालके नेतृत्वमे सरकार गठन करए लेल इच्छुक भेलोपर जसपा ठोस निर्णय नै सकल कहल गेल छै ।
अइसँ पहिने बेर बेर सरकार परिवर्तन भेल कहैत जसपा नेपालके नेतासभ अगिला निर्वाचनके लगमे प्रदेश सरकारक नेतृत्वसँ अनिच्छा रहल बतौलैन ।
एहि बीच, जनमत पार्टीके अध्यक्ष डा सिके राउत अपन पार्टी मधेश प्रदेश सरकारमे सहभागी नै होबाक बतौने छलैथ। (रासस)





