सप्तकोशीमे भेल आइगलगी, १५ लाखके क्षति


राजविराज, १४ चैत । सप्तरी जिलाक सप्तकोशी नगरपालिकामे भेल आगलगीस’ १५ लाख टाका बराबरक सम्पत्ति जइरके नष्ट भ’ गेल अइछ ।
रैबक राइत करिब ११ बजे सप्तकोशी नगरपालिका–५ गंगाजली निवासी सोम प्रसाद आचार्यक गाई गोहालीमे आइगलगी भेल छल । जइमे आचार्यके टिन आ काठस’ बनल एक तल्ला गाईके गोहाली पूर्ण रूपमे जइरके नष्ट भ’ गेल अइछ । लगमे रहल दू तल्ला घर सेहो आंशिक रूपसँ क्षतिग्रस्त भ’ गेल अइछ ।
स्थानीय सरसमाज, नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरीक सहयोगमे आइग नियंत्रणमे आनल गेल । आगि बुतेबाक क्रममे घर मालिक सोम प्रसाद आचार्य सामान्य रूपमे  घायल भेल छइथ । आगलगीसँ एकटा महिसक पाडा आ दू टा बकरी जइरक’ मइर गेल से जानकारी जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरी देने अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको