सिरहा, १५ चैत : सिरहाके औरही गाउँपालिका–५ मे महायज्ञके नाममे जातीय विभेद कएल गेल घटनाके अनुसन्धान प्रतिवेदन प्रहरी सरकारी वकिलके कार्यालयकेँ देल गेल अइछ ।
जातीय भेद्भाव तथा छुवाछूतसम्बन्धी मुद्दाके ६ दिनक अनुसन्धान पूरा क प्रहरी वृहस्पैतदिन प्रतिवेदन सरकार वकिलकेँ देने अइछ । अनुसन्धान प्रतिवेदन प्राप्त भेल आ तकर अध्ययन करबाक काज भ रहल जिला न्यायाधिवक्ता राजेन्द्र बस्नेत जानकारी देलैन अइछ । अध्ययनक बाद ओइ प्रतिवेदन अदालतमे अभियोगपत्रके रुपमे दायर कएल जाएबला ओ बतौलैन ।
औरहीके दलित समुदायक दीपक मल्लिकके घर उजारल घटनामे इएह चैत ९ गते साँझ गाउँपालिकाक अध्यक्ष शिवजी यादव आ पूर्ववाडध्यक्ष दिलीप यादव गिरफ्तार कएने छल । तकर बाद चैत १० गते प्रहरी हुनकासभ सङे बजरङ्गी बाबाविरुद्ध पीडितद्वारा जाहेरी देल गेल छल । इएह चैत १७ सँ आयोजन कएल जा रहल महायज्ञके नाममे वितल फागुन १० गते अछूत कहैत महायज्ञस्थलमे रहल दिपक मल्लिकके घर तोडल गेल छल ।
गाउँपालिका अध्यक्ष, पूर्ववाडध्यक्ष आ बजरङ्गी बाबा डोजरद्वारा घर उजारल घटना सार्वजनिक भेल छल । अइसँ पहिने घटनाबारे संवेदनशील नै बनल कहैत गृह मन्त्रालय सिरहाके प्रमुख जिला अधिकारी वासुदेव दाहालकेँ मन्त्रालय तथा जिला प्रहरी प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक रमेश पण्डितकेँ प्रहरी प्रधान कार्यालय फिर्ता बजौमे छल । रासस





