सिरहा, १६ चैत: सिरहा जिला अन्तर्गत औरही गाउँपालिका–५मे महायज्ञ करबाक नामपर दलितक घरपर डोजर चलेबाक घटनामे गिरफ्तार कएल औरही गाउँपालिकाक अध्यक्ष शिवजी यादव आ पूर्ववाडध्यक्ष दिलीप कुमार यादव शुक्रदिन धरौटीमे रिहा भेल छैथ।
जिला अदालत सिरहाक न्यायाधीश विदुर काफ्लेक इजलास जनही एक लाख टका धरौटीमे थुनामुक्त करबाक आदेश देलक। स्रेस्तेदार नीरज पोखरेलक अनुसार जातीय भेदभाव आ छूआछूत सम्बन्धी कसूरमे मुद्दा दर्ता भेल छल, जकर सुनवाई शुक्रदिन थुनछेक बहस स्वरूप भेल। वैशाख १९ गते अदालतमे हाजिर होबाक आदेश देल गेल अइछ।
चैत १७ गतेसँ महायज्ञ प्रारम्भ करबाक नामपर औरही–५ निवासी दलित दीपक मलिक (डोम)के घर वितल फागुन १० गते उजारल गेल छल। महायज्ञ आयोजक समितिक अध्यक्ष आ जसपा जिलासदस्य शिवजी यादव आ समिति सचिव दिलीप कुमार यादव वितलकेँ चैत ८ गते गिरफ्तार कएल गेल छल। दलित परिवारक घरपर डोजर चलाबैके आदेश देनिहार महायज्ञक मूल पुजारी बजरंगी बाबा एहि घटनाक बाद भागल छैथ।





