प्रकाश सिलवाल / रासस )
बैङ्कक, २२ चैत: प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीसँ भेल भेटघाटमे सकारात्मक आ सफल वार्ता भेल बात कहने छैथ।
भेटवार्ता कक्षसँ बाहर निकलैत राससके विशेष प्रतिनिधिसङे संक्षिप्त प्रतिक्रिया दैत प्रधानमन्त्री ओली कहलैन, “हमर आ भारतीय प्रधानमन्त्री मोदीजीके बीच नीक आ सकारात्मक संवाद भेल अइछ। एखन लेल एतेबे।”
थाईलैंडक बैङ्कक स्थित होटल माडारिन ओरियन्टलमे प्रधानमन्त्री ओली आ भारतीय प्रधानमन्त्री मोदीक बीच करिब ४५ मिनट एकान्तमे भेटघाट भेल छल।
बहुक्षेत्रीय प्राविधिक तथा आर्थिक सहयोगक लेल बङ्गालके खाड़ीके प्रयास (बिम्स्टेक)क छैठम् शिखर सम्मेलन समाप्त भेलाक बाद पूर्वनिर्धारित कार्यक्रम अनुरूप दुनू नेता बीच ई वार्ता सम्पन्न भेल अइछ ।
ओहिसँ पहिने, वितल आसिन ७ गते संयुक्त राष्ट्रसंघके ७९म महासभामे भाग लेबाक क्रममे संयुक्त राज्य अमेरिकाक न्यूयोर्कमे दुनू नेताक भेटघाट भेल छल।
—






