विमल विष्ट/रासस
काठमाण्डू, १४ आसिनः अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थलमे ‘ह्वीलचेयर’ सेवा शुरू भेलाक बाद ज्येष्ठ नागरिक, गर्भवती, बेमार तथा अशक्त आ अङ्ग्रेजी भाषा बुझनिहारकेँ यात्रा करब सहज भेल अइछ ।
‘ह्वीलचेयर’ सेवा आवश्यक सहजीकरणके व्यवस्थासहित राहत प्रदान केलक अइछ । सेवा शुल्कवापत किछु शुल्क लागत । खास क पहिल बेर अन्तर्राष्ट्रीय यात्रामे जा रहल सर्वसाधारण यात्रीकेँ विमानस्थलके निर्धारित कक्षधैर जेबाक, ‘ट्रान्जिट’ अवधि व्यथित करब, नयाँ विमानधैर जा क टिकटअनुसारके सिटमे रहब, गन्तव्यस्थलमे रहल सम्पर्क व्यक्तिसँ भेट करब तथा सम्भावित अन्य समस्याके समाधानक लेल अइसँ सहज आ झन्झटमुक्त बनाएल गेल छै ।
त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थलमे ‘ह्वीलचेयर’ सेवा प्रयोग केनिहार यात्रीसभ उइड़ रहल अवस्थामे आकाशमे देखल मुदा अखनधैर यात्रा नै कएल अवस्थामे विदेशमे जाइत काल मनमे अनेकौँ बात अएलोपर निरक्षर एवम् शाररिक कमजोरी रहल व्यक्तिके समस्या नै अएबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।
विमानस्थलअनुसार पछिला दिनमे खास क पढाइ तथा रोजगारीक सिलसिलामे देशक युवापिँढीके विदेशी जेबाक बढलासँ अभिभावककेँ एकबेर विदेश भ्रमण करेबाक क्रम बढलासँ ‘ह्वीलचेयर’ सेवाके प्रयोग सेहो बढ़ल अइछ ।





