काठमाण्डू, १४ आसिन : परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल संयुक्त राष्ट्र संघके ८१म महासभामे नेपालक सहभागितासँ देशक हितके लेल महत्त्वपूर्ण उपलब्धी हासिल भेल बतौलैन अइछ ।
महासभाके बैसारमे सहभागी भ स्वदेश घुरल परराष्ट्रमन्त्री खनाल त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलपर सञ्चारकर्मीसभसँ बातचित करैत नेपालक कूटनीतिक छविकेँ उच्च बनेबाक आ विश्व समुदायके ध्यानाकर्षण करेबाक लेल हम दिन राइत खटल बतौलैन । राष्ट्र संघीय महासभाके क्रममे भेल विभिन्न बैसार, भेटघाट आ परामर्शमे नेपालक दिससँ प्रस्तुत सम्बोधन तथा विचारप्रति विश्वसमुदाय सकारात्मक रहल ओ उल्लेख केलैन ।
परराष्ट्रमन्त्री खनाल कहलैन, “संयुक्त राष्ट्र संघ महासभाके ८१म सत्रके क्रममे प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह महासभामे कएने सम्बोधन तथा हम विभिन्न दू पक्षीय तथा बहुपक्षीय बैसारमे जनौने सहभागिता आ परामर्शसँ नेपालक कूटनीतिक छवि उच्च भेल छै । नेपालक प्रस्तावप्रति विश्व समुदाय सकारात्मक भेनाइ देशक लेल खुसीके विषय छै ।”
महासभामे सहभागी होबाक क्रममे ३३ सँ बेसी दू पक्षीय भेटवार्ता भेल जानकारी दैत मन्त्री खनाल अइसँ नेपालक कूटनीतिक सम्बन्धकेँ थप मजबुत बनेबाक लेल सहयोग पहुँचत से विश्वास व्यक्त केलैन । आबैबला समयमे नेपालक कूटनीतिकेँ थप सशक्त बनाबैत राष्ट्रहित प्रवर्द्धनमे ठोस योगदान करबाक लेल स्पष्ट आधारसभ तय भेल ओ बतौलैन ।
अइ बेरके महासभामे नेपालक दिससँ जलवायु न्यायसहितक मुद्दासभ विश्व समक्ष मजबुतीसँ उठाएल गेल मन्त्री खनाल जानकारी देलैन । भोटेकोशीके विनासकारी बाइढ़ तथा अन्य राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय मुद्दामे महासभाके क्रममे अपन धारणा स्पष्ट आ बलगर रूपमे व्यक्त कएने कहि चर्चा एवं प्रशंसा भेनाइ नेपालक लेल गौरवके विषय भेल ओ बतौलैन ।
प्रधानमन्त्री शाह सम्बोधनक क्रममे जलवायु परिवर्तन तथा अइसँ नेपाल आ नेपाल जेहन प्रभावित देशसभकेँ भेल असरके बारेमे स्पष्ट रुपसँ विचार व्यक्त कएने ओ बतौलैन ।
नेपालक अवस्था आ जलवायु परिवर्तनसँ भेल असरके बारेमे प्रधानमन्त्री शाह सम्बोधनक क्रममे आ हम सेहो अन्य विभिन्न फोरमसभ तथा भेटवार्तामे स्पष्ट रुपमे धारणा व्यक्त कएने मन्त्री खनाल बतौलैन । (रासस)





