सांसदसभद्वारा उठाएल राष्ट्रिय मुद्दाकेँ सरकार बेवास्ता केलक: प्रमुख सचेतक राई


काठमाण्डू, १५ आसिनः श्रम संस्कृति पार्टीक प्रमुख सचेतक आरेन राई संसदमे उठाएल राष्ट्रिय मुद्दाकेँ सरकार बेवास्ता केलक से आरोप लगौलैन अइछ।
प्रतिनिधि सभाक आजुक बैसारमे प्रमुख सचेतक राई अपनसभद्वारा संसदमे उठाएल गेल राष्ट्रिय मुद्दाकेँ सरकार पर्याप्त रूपसँ सम्बोधन नै क सकल, कहैत दुःख व्यक्त केलैन ।
ओ वैदेशिक रोजगारीक नामपर ‘फ्री भिसा, फ्री टिकट’ कहल जाइ छै, मुदा लाखौँ टकाक द क विदेश जेबाक बाध्यता एखनो छै, ई विषय कार्यान्वयन किए नै भेल, कहैत सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन।
सचेतक राई देशक विभिन्न जिलामे बाँदरके आतङ्कक विषयमे सरकारक ध्यानाकर्षण करेलोपर बाँदर नियन्त्रण तथा व्यवस्थापनक विषयमे प्रभावकारी ढङ्गसँ योजना बना क कार्यान्वयन नै कएल गेल सिकायत केलैन । नदी तथा धारके अगलबगल  अव्यवस्थित बसोबास तथा सुकुमवासी समस्या समाधान दिस सरकारक ध्यान नै पहुँचल, ओ बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय