फूलबारी मेलामे भक्तजनके भीड  


सिरहा, १ वैशाख । नयाँ सालक दिन मात्र फुलैबला माला जकाँ सुनाखरी फूल देखबाक आ मन्दिरमे पूजापाठ करबाक उद्देश्यसँ सिरहाक लहान स्थित पर्यटकीय स्थल सलहेश फूलबारीमे आइ मेला लागल अइछ।

नयाँ सालक अवसरमे हरेक वर्ष वैशाख १ गते लागैबला एहि मेलामे एहि वर्षोसँ हजारौँके संख्यामे मेला देखए लेल अबैत अइछ। लहान नगरपालिका–१२ आ २२मे पड़ैवला एहि फूलबारी परिसरमे अवस्थित सलहेश मन्दिरक आगा हारमके गाछीपर एहि वर्ष सुनाखरी फूल फुलल अइछ, ई जानकारी मेला समितिक अध्यक्ष जयकान्त चौधरीद्वारा देलैन।

ओना करीब नौ बिघा क्षेत्रफलमे फैलल एहि फूलबारीमे नेपाल आ भारतक विभिन्न राज्यसभसँ हजारौँ श्रद्धालु पूजापाठ करबाक लेल अबैत छैथ। भक्तजनक भीड़केँ व्यवस्थित करबाक लेल स्थानीय प्रहरी प्रशासनसँ समन्वय कएल गेल अइछ आ सुरक्षा व्यवस्थापन चुस्त बनाएल गेल, अध्यक्ष चौधरी कहलैन।

ओ कहलैन, “मेलाकेँ व्यवस्थित बनेबाक लेल स्वयंसेवकसभ लगाएल गेल छै, व्यापारिक स्टल बनाएल गेल छै आ श्रद्धालुसभकेँ सहजतासँ पूजास्थलधैर पहुँच सुनिश्चित करबाक प्रबन्ध कएल गेल अइछ। मेलाकेँ सुचारु संचालनक लेल १०० स्वयंसेवक खटाएल गेल अइछ, सङे भीड़केँ सम्हारबाक लेल स्थानीय प्रहरी प्रशासनसँ सहयोग लेल गेल अइछ।”

सलेहश गाथामे वर्णन अनुसार सिरहाक महिसोथा गाममे जन्म लेनिहार लोकनायक सलहेश फूल तोड़एबला आ प्रणयस्थलक रूपमे फूलबारीक मान्यता अइछ। राजा सलहेश आ हुनकर प्रेमिका मालिनीक प्रेमक प्रतीक रूपेँ सुनाखरी फूलक माला देखबाक लेल लोकके भीड़ लगैत अइछ, मन्दिरक पुजारी जीतेन्द्र सिंह धामी जानकारी देलैन। १४म् शताब्दीमे रहल राजा सलहेशक शौर्य, वीरता, साहस आ प्रेमसँ जुड़ल एहि गाथाक स्मृति स्वरूप हरेक वर्ष वैशाख १ गते मेला आयोजित कएल जाइत अइछ।

राजा सलहेश तराई क्षेत्रक पासवान जातिक इष्टदेव मानल जाइत छैथ। चौधम् शताब्दीमे लोकनायक रहल सलहेशक पूजासँ सन्तान प्राप्ति, चर्म रोग, कुष्ठ रोग आदिक शमन होबाक एहन जनविश्वास अइछ।

नेपाल सरकार एहि क्षेत्रकेँ धार्मिक पर्यटकीय स्थलक रूपमे विकाश करबाक लेल नयाँ पर्यटकीय गन्तव्यक सूचीमे समावेश कएने अइछ। तथापि पर्यटक संख्या वृद्धिक अपेक्षा अनुसार ऐतिहासिक पर्यटन गतिविधिक विकाश नहियेँ भ  पाएल जानकारी स्थानीय वीरेन्द्र चौधरी देलैन।

ओ कहलैन जे स्थानीय, प्रदेश आ संघीय सरकार सङे क्षेत्रमे क्रियाशील सरोकारवाला संस्थासभ मिलिकय फूलबारी व्यवस्थापन लेल एकीकृत गुरु योजना बना क  कार्यान्वयन केलक, तं आन्तरिक आ बाह्य पर्यटककेँ आकर्षित क  धार्मिक आ व्यापारिक दृष्टिकोणसँ पर्याप्त लाभ लिअ सम्भव अइछ, एहन अपेक्षा उद्योग वाणिज्य सङ्घ सिरहाक अध्यक्ष विकाश सारडाक अइछ।

एहि ऐतिहासिक धार्मिक स्थलकेँ संरक्षण आ संवर्द्धन लेल नेपाली सेनाद्वारा महत्वपूर्ण योगदान देल गेल अइछ। राजा सलहेशक इतिहासकेँ शिलालेखमे उतारल गेल अइछ आ सेनाद्वारा पैदलमार्ग सेहो बनाएल गेल अइछ।

फूलबारी परिसरमे दू टा शौचालय, चाइर स्थानपर पाइनक धारा आ फोहोर संग्रह लेल डस्टबिनक व्यवस्था कएल गेल अइछ, मुदा उक्त व्यवस्थापन भक्तजन लेल तइयो कमे भेल शिकायत सेहो आइब रहल अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय