सिरहा, ३ वैशाख । गृहमन्त्री रमेश लेखकद्वारा सिरहाक नवराजपुर गाउँपालिका–३ स्थित जगतपुर निवासी २४ वर्षीय आनन्दी देवी सदायके मृत्यु प्रकरणके सत्यतथ्य खोजबिन करबाक लेल प्रहरी प्रशासनकेँ निर्देशन देल गेल अइछ। करीब चाइर महिना पहिने यौन दुर्व्यवहारक शिकार भेल आनन्दी देवी मङ्गलदिन अपन घरमे मृत अवस्थामे भेटल गेल छलीह।
गृहमन्त्री लेखक घटनाप्रति गम्भीर धीयान दैत प्रहरी महानिरीक्षक दीपक थापाकेँ टेलीफोनपर सम्पर्क क सत्यतथ्य खोजबिन करबाक निर्देशन देने जानकारी गृह मन्त्रालयक सचिवालयद्वारा देल गेल अइछ।
सिरहा जिला प्रहरी कार्यालयक प्रमुख एवम् प्रहरी उपरीक्षक अनन्तराम शर्माक अनुसार मृतक आनन्दी देवी वितल पुस ९ गते बरियारपट्टी गाउँपालिका–१ निवासी अपन दिदीकेँ भेटए गेल छलीह, जाहि क्रममे स्थानीय २२ वर्षीय सञ्जीव कुमार यादव आ ३२ वर्षीय श्यामसुन्दर यादवद्वारा यौन दुर्व्यवहार कएल गेल छल। शर्माक अनुसार, ई व्यक्तिसभ विरुद्ध जबर्जस्ती करणी उद्योगक अभियोगमे मुद्दा दर्ता भेल अइछ, मुदा ओसभ एखनधैर गिरफ्तार नै भ सकल अइछ।
प्रहरी उपरीक्षक शर्माक कहलैन “ई घटना हमरा जिलामे आबैसँ पहिनेके छै, तइयो हम शुरूदिनसँ सूक्ष्म ढंगसँ अनुसन्धान क रहल छी । फागुन २५ गते अभियुक्तसभ विरुद्ध जबर्जस्ती करणी उद्योगमे मुद्दा दर्ता भेल छलै। घटनाके बाद पीड़कसभ भाइग गेल। ओसभ नेपाल छोइड़ भारतमे नुकाएल छैथ, जाहिसँ खोजतलासमे चुनौती छै, मुदा प्रहरी प्रशासन निरन्तर प्रयासरत अइछ।” ओ कहलैन जे पीड़ितपर यौन दुर्व्यवहारके तुरन्त बाद मेडिकल परीक्षण आ पीडक विरुद्ध जिला अदालतसँ गिरफ्तारी पुर्जी जारी कएल गेल छल।
प्रहरी उपरीक्षक शर्माक कहलैन जे ओ आजुक दिन घटनास्थलपर पहुँच मृतकके परिवारसँ भेट कएलैन। जानकारी देलैन, “मृतक आनन्दीदेवीक दू वर्षक एकटा बेटी अइछ। ओ एक सालसँ अपन नहियामे रहैत छलीह। यौन दुर्व्यवहारक शिकार आनन्दीदेवी घरमे कोनो सदस्य नै रहितल समय लटकल अवस्थामे मृत भेटल छलीह।”
प्रहरीक अनुसार, मृतकक शव लहानस्थित प्रादेशिक अस्पतालमे पोस्टमार्टम लेल राखल गेल अइछ। जिला प्रहरी कार्यालयद्वारा घटनासँ सम्बन्धित विस्तृत अनुसन्धान भ रहल अइछ।रासस






