प्रतिनिधि सभामे तीनटा विधेयक प्रस्तुत


काठमाण्डू, २५ साओनः प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारमे विभिन्न तीनटा विधेयक प्रस्तुत कएल गेल अइछ । बैसारमे अर्थमन्त्री डा. स्वर्णिम वाग्ले ‘कर्मचारी सञ्चय कोष (दशम संशोधन) विधेयक, २०८३’ प्रस्तुत केलैन ।

विधेयक प्रस्तुत करैत ओ कोषके २०१९ सालके ऐन कार्यावंयनमे रहल कहैत समसामयिक संशोधन केनाइ आवश्यक भेलासँ ई विधेयक प्रस्तुत कएल गेल जानकारी देलैन ।

तहिना, कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिलामन्त्री सोविता गौतम ‘मेलमिलापसम्बन्धी (दोसर संशोधन) विधेयक, २०८३ प्रस्तुत केलैन । विधेयक प्रस्तुत करैत ओ २०६८ सालमे जारी भेल ऐनकेँ संशोधन करए आ जल्दी न्याय निरुपणक लेल विधेयक आनल गेल जानकारी करौलैन ।

बैसारमे युवा श्रम तथा रोजगारमन्त्री रामजी यादव ‘बालश्रम (निषेध तथा नियमित करबाक) विधेयक, २०८३’ प्रस्तुत केलैन । विधेयक प्रस्तुत करैत ओ बालबालिका जोखिमपूर्ण काजमे खटेबाक लेल निषेध करए, प्रचलित कानुनकेँ नियमित आ नियमन करबाक लेल विधेयक आनल गेल सदनकेँ जानकारी करौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय