काठमाण्डू, २५ साओनः धनुषाके ढल्केबरमे प्रस्तावित ट्रमा सेन्टर निर्माणक माँग उइठ रहल समय स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहता ढल्केबरके ट्रमा सेन्टर निर्माण प्रक्रिया नै रोकबाक स्पष्ट केलैन अइछ ।
नयाँ संरचना निर्माण सम्पन्न होबाक लेल समय लागबाक कारण तत्कालके लेल लहानस्थित प्रादेशिक अस्पतालमे ‘ट्रमा युनिट’ सञ्चालन करए लागल ओ बतौलैन । आइ प्रतिनिधि सभामे जवाब दैत मन्त्री मेहता ढल्केबरमे क्रिटिकल केयर तथा ट्रमा सेन्टर निर्माणक प्रक्रिया आगु बइढ़ चुकल बतौलैन ।
मन्त्री मेहताके कहब अनुसार दुर्घटनामे गम्भीर घायल भेल नागरिककेँ इलाजक लेल काठमाण्डू आनबाक बाध्यता अन्त्य करबाक लेल सरकार तत्काल सेवा आ दीर्घकालीन पूर्वाधार निर्माणकेँ एक साथ आगु बढ़ौने अइछ । लहानस्थित प्रादेशिक अस्पतालमे सीटी स्क्यान, आवश्यक चिकित्सकीय जनशक्ति, बेमारीके भिड़ तथा ब्लड बैङ्कलगायत ट्रमा सेवा सञ्चालनक लेल आवश्यक आधारभूत पूर्वाधार भेलासँ ओइ ठाम तत्काल ट्रमा युनिट सञ्चालन करबाक निर्णय कएल गेल मन्त्री मेहता बतौलैन ।
“लहानमे ट्रमा युनिट सञ्चालन केनाइ ढल्केबरके विकल्प नै छै”, मन्त्री मेहता स्पष्ट करैत कहलैन, “नयाँ संरचना निर्माण सम्पन्न नै भेलाधैर नागरिककेँ तत्काल इलाज उपलब्ध करेबाक अन्तरिम आ व्यावहारिक व्यवस्था छै ।”
एक ठाममे दीर्घकालीन स्वास्थ्य संरचना निर्माण भ रहल समय दोसर ठाममे तत्काल सेवा विस्तार केनाइ विरोधाभास नै भेल मन्त्री मेहता बतौलैन । सरकारक नीति आवश्यकताअनुसार देशक विभिन्न स्थानमे ट्रमा सेन्टर तथा ट्रमा युनिट विस्तार करबाक रहल हुनक कहब छलैन ।
“हमरासभक उद्देश्य एक अइछ–दुर्घटना भेल नागरिकके समयमे इलाज देल जाए आ इलाजक लेल काठमाण्डू एबाक बाध्यता अन्त्य होए”, मन्त्री मेहता कहलैन ।
ढल्केबरमे निर्माण भ रहल संरचनाकेँ आगु बढ़ाबए तथा उपलब्ध पूर्वाधारसँ तत्काल नागरिककेँ सेवा प्रदान करबाक वातावरण बनेबाक लेल जनप्रतिनिधि आ सम्बन्धित सब पक्षकेँ सहयोग करबाक लेल मन्त्री मेहता आग्रह केलैन । (रासस)





