धनुषा, ११ अखारः स्थानीय तह अखार १० गते सभा सम्पन्न करबाक चाही प्रावधानअनुसार गाम तथा नगरसभासँ बजेट अनबाक चाही से प्रावधान भेलोपर आन्तरिक विवादके कारण एहि ठाँमक छ स्थानीय तह अगिला आर्थिक वर्षके बजेट नै आइन सकल अइछ।
बजेट नै आइन सकल स्थानीय तहमे मिथिला नगरपालिका, क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिका, नगराइन नगरपालिका, कमला नगरपालिका, हंसपुर नगरपालिका आ औरही गाउँपालिका रहल अइछ । ई स्थानीय तह बजेट तैयारी नै पहुँचल, आन्तरिक विवाद, जनप्रतिनिधि बीचके मतभेद आ कार्यपालिका सदस्यके अनुपस्थितिके कारण समयेमे बजेट पेश नै क सकल बताएल गेल अइछ।
नगराइन नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रामगुलाम लाल कर्ण नगर अधिवेशनके लेल बोलाएल गेल कार्यपालिका बैसारमे १९ गोटे सदस्यमध्ये उपप्रमुखसहित १३ व्यक्तिके अनुपस्थित रहल बजेट पेश नै क सकल बतौलैन। हुनकर कहब अनुसार कार्यपालिका बैसार नै भेलासँ नगरसभामे बजेट पेश नै भ सकल अइछ ।
तहिना अन्य स्थानीय तहमे सेहो प्रमुख तथा उपप्रमुखबीचके समन्वय अभाव, कार्यपालिका सदस्यके असहयोग आ विभिन्न विकास योजना तथा बजेट शीर्षकमे मतभेदके कारण निर्धारित समयभित्र बजेट पेश नै भ सकल कहल गेल छै ।
किछ स्थानीय तहमे राजनीतिक विवादके कारण निर्धारित समयमे बजेट पेश नै होएब गम्भीर समस्या भेल क्षीरेश्वरनाथ–५ महेन्द्रनगरके युवा रोहित खनाल बतौलैन । समयेमे नीति, कार्यक्रम तथा बजेट नै अनलासँ सार्वजनिक सेवा प्रवाह, विकास आयोजना जकाँ महत्वपूर्ण काममे असर भ सकबाक हुनकर कहब छैन ।
एहिने मिथिला बिहारी, बटेश्वर, मुखियापट्टी मुशहरनिया, जनकनन्दनी, विदेह आ जनकपुरधाम नगरपालिका मङ्गलदिन बजेट सार्वजनिक कएलक अइछ तँ लक्ष्मिनियाँ, धनुषाधाम, गणेशमान चारनाथ, शहिदनगर आ धनौजी नगरपालिका तँ ताहिसँ पहिने अपन नीति, कार्यक्रम तथा बजेट पेश क चुकल अइछ । रासस





