जापान सरकारद्वारा नेपालकेँ जेडिअइ परियोजनाक लेल अनुदान


काठमाण्डू, २५ अखारः जापान सरकार मानवसंशाधन विकास छात्रवृत्ति (जेडिएस) कार्यक्रमअन्तर्गत नेपालकेँ ५३७ मिलियन (नेपाली टका) बराबरके अनुदान देल गेल अइछ ।

आइ अर्थ मन्त्रालयमे आयोजित समारोहबीच जेडिएस कार्यान्वयनक लेल जापानी राजदूत तोरु मोदा आ नेपाल सरकारक दिससँ अर्थ मन्त्रालक सचिव घनश्याम उपाध्याय विनिमय पत्रमे हस्ताक्षर कएलैन । दू देशबीचके विनिमय पत्र आ अनुदान सम्झौतपत्रमे हस्ताक्षर भेल अइछ । जापान सरकारक आर्थिक वर्ष सन् २०२५ लेल जेडिएस कार्यक्रम कार्यान्वयनक लेल ५७२ मिलियन जापानी येन अनुदान प्राप्त भेल अर्थ मन्त्रालय जनौलक अइछ ।

आइ हस्ताक्षर भेल सम्झौताअनुसार प्राप्त अनुदान नगद २० गोटे स्नातकोत्तर तहके विद्यार्थी आ दू गोटे विद्यावारिधि (पिएचडी) तहके विद्यार्थीक लेल विश्वविद्यालय शुल्क, जीविकोपार्जन खर्च, यात्रा भत्ता, बिमा तथा शैक्षिक सामग्रीमे खर्च कएल जेबाक जनौलक अइछ ।

हस्ताक्षर सम्झौताक क्रममे सचिव उपाध्याय छात्रवृत्ति कार्यक्रम नेपालके निजामती सेवाक कर्मचारीके क्षमता अभिवृद्धिमे महत्त्वपूर्ण सहयोग पहुँचएके कहैत अगिला दिनमे सेहो अइसँ सहयोग पहुँचेबाके विश्वास व्यक्त कएलैन । ओ जापानमे अध्ययनक क्रममे प्राप्त ज्ञान आ सीप नेपालमे सार्वजनिक सेवा प्रवाहमे सुधार अनबाक आ समग्र सामाजिक, आर्थिक विकासमे पहल पहुँचेबाक विचार व्यक्त कएलैन ।

राजदूत मोदा जेडिएस कार्यक्रमअन्तर्गत अध्ययन पूरा कएने कर्मचारी नेपालके विकासमे महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करबाक कहैत अइसँ दू देश बीचके दीर्घकालीन मैत्रीपूर्ण सम्बन्धकेँ आओर प्रगाढ बनेबाक विश्वास व्यक्त कएलैन ।

समारोहमे अर्थ मन्त्रालयक सचिवसहित कर्मचारी, नेपालस्थित जापानी दूतावासक प्रतिनिधि, जेडिएसके पदाधिकारीसहित उपस्थित छलैथ । जेडिएस कार्यक्रम जापान सरकारक सहयोगमे सन् २०१५सँ शैक्षिक क्षेत्रकेँ समेट क सञ्चालन कएने गेल अइछ । ई कार्यक्रम विभिन्न चरणमे कार्यान्वयन होइत आएल अइछ ।

एखनधैर १४२ गोटे नेपाली निजामती सेवाक कर्मचारी अध्ययन क चुकल छै । इएह कार्यक्रममार्फत १४० स्नातकोत्तर आ दू व्यक्ति विद्यावारिधि जापानक प्रतिष्ठित शैक्षिक संस्थासँ कएने अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय