किताब बिक्रीसँ सङ्कलित १२ करोड़ टका आविष्कार केन्द्रक खातामे


झापा, ६ साओन: राष्ट्रिय आविष्कार केन्द्रक अध्यक्ष डा. महावीर पुनक आत्मकथा ‘महावीर पुनः सम्झना, सपना र अविरल यात्रा’ किताबके दू लाख १८ हजार प्रति बिक्री भेल अइछ।

केन्द्रक सहयोगक लेल किताब बिक्री करबाक लेल विर्तामोड आएल डा. पुन उक्त जानकारी देलैन। ओ किताब बिक्रीसँ १२ करोड़ टका राष्ट्रिय आविष्कार केन्द्रके खातामे जमा भ चुकल बताैलैन। हुनकर किताबके दाम सात सओ ५० टका अइछ।

उक्त नगदकेँ ओ केन्द्रद्वारा सञ्चालन कएल जा रहल वीरगञ्ज औजार कारखाना आ आविष्कार गतिविधिमे खर्च कएल जाएत, से जानकारी देलैन। किताब बिक्रीके लेल एक सप्ताहसँ झापामे रहल हुनका, संस्थागत आ व्यक्तिगत रूपसँ आमन्त्रण क किताब किनबाक क्रम बइढ़ रहल अइछ।

विर्तामोड नगरपालिका सोमदिन एक कार्यक्रम आयोजन क केन्द्रके सहयोगक लेल ५० हजार मूल्य बराबरके किताब खरिद केलक अइछ। नगरउपप्रमुख पवित्रा महतरा प्रसाईँ देशकेँ आत्मनिर्भर बनेबाक लेल पुनक अभियान प्रशंसनीय भेलाक कारण हुनकर किताब किन क सहयोग करब गर्वके विषय भेल बताैलैन।

विर्तामोड, दमक, बाह्रदशी, बुद्धशान्ति सहितक पालिका सभमे स्थानीय सामाजिक संस्था आ युवासभक अगुवाइमे हुनक किताब किनबाक अभियान सञ्चालन भ रहल अइछ। विर्तामोडमे सोमदिन आयोजित कार्यक्रममे डा. पुन सामाजिक सञ्जालपर नेतासभकेँ गाइर द क मात्र नै बैसबाक लेल युवासभसँ आग्रह केलैन। “देशक लेल अपन-अपन दिससँ छोट सन सेहो योगदान करबाक चाही”, हुनकर कहब छल, “सामाजिक सञ्जालपर नेतासभकेँ गाइर देलासँ मात्र नै होइत अइछ।”

ओ राष्ट्रिय आविष्कार केन्द्रमे हाल १५ प्रकारक कृषि औजार उत्पादन भ रहल जानकारी देलैन। ओ उपकरण भविष्यमे पालिकाक छोट किसानसभक लेल लाभदायक होएत, से ओ विश्वास व्यक्त कएलैन। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय