नयाँ दिल्ली, ९ साओन: मणिपुरमे पहिनेसँ लागू कएल गेल राष्ट्रपति शासनकेँ १३ फरवरी २०२६धैर बढे़बाक वैधानिक प्रस्ताव पेस भेल अइछ।
भारतके केन्द्र सरकारक प्रस्तावमे भारतीय संसदद्वारा मणिपुर राज्यमे राष्ट्रपति शासन छ महिना लेल बढेबाक निर्णयकेँ अनुमोदन कएने अइछ। ई आदेश १३ अगस्त २०२५सँ लागू होएत।
अइ सम्बन्धमे राज्यसभा एक सूचना जारी करैत कहलक अइछ, “ई सदन संविधानक धारा ३५६ अन्तर्गत मणिपुरक सम्बन्धमे राष्ट्रपतिद्वारा जारी कएल गेल घोषणाकेँ १३ अगस्त २०२५सँ छ महिनाक अवधिक लेल निरन्तरता देबाक प्रस्तावकेँ अनुमोदन करैत अइछ।”
एन बिरेन सिंहद्वारा मुख्यमन्त्री पदसँ राजीनामे देलाक बाद मणिपुरमे १३ फरवरीकेँ राष्ट्रपति शासन लगाएल गेल छल। राज्यमे मई २०२३ सँ जातीय द्वन्द्व चइल रहल अइछ। अखनधैर ओत स्थायी शान्ति स्थापना नै भ सकल अइछ। (रासस/एएफपी)





