महेन्द्रनगर (धनुषा), १५ साओन: जिला प्रहरी कार्यालय १५ वर्षीय किशोरी अञ्जली कुमारी यादवक हत्याक आरोपीकेँ गिरफ्तार केलक अइछ।
आरोपी क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका–९ इच्छापुरक ३५ वर्षीय रामबाबु साहकेँ गिरफ्तार क प्रहरी आइ सार्वजनिक कएलक अइछ। जिला प्रहरीक अनुसार, धनुषाक बटेश्वर गामपालिका–५ घर भ जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–४ कटैयाचौरी स्थित डेराक कोठरीमे रहैत आएल १५ वर्षीय अञ्जलीके बितल सोमदिन राइत दबिया प्रहार क हत्या क देल गेल छल।
आरोपी साहकेँ काइल राइतमे लगभग साढ़े १० बजे क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका–९सँ पकड़ाएल जानकारी जिला प्रहरीक प्रहरी नायव उपरीक्षक (प्रनाउ) बरुणबहादुर सिंह देलैन।
रामबाबु अइसँ पहिने अपन पत्नीक हत्या क पाँच वर्ष जेल सजाय काइट क २०७७ सालमे रिहा भेल छल। साहद्वारा सोमदिन राइत दबिया प्रहार कएलासँ अञ्जलीक मृत्यु भेल छल। अञ्जलीक माय ३५ वर्षीय आशा यादव आ मिथिला नगरपालिका–१ ढल्केवर निवासी होविन्द्र यादवक १४ वर्षीय बेटी आशा यादव घाइल भेल छल।
आशा (अञ्जलीक माए)के धरान स्थित बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे इलाज भ रहल आ हुनकर अवस्था गम्भीर रहल प्रहरी जनौलक अइछ। आशा रामबाबुक प्रेमिका भेल आ सएह कारणेँ ई घटना घटल से प्रहरीक प्रारम्भिक अनुसन्धानसँ खुजल अइछ।
प्रनाउ सिंहक अनुसार, आरोपी साह सजाय काइट क रिहा भेलाक किछु महिना बाद दोसर विआह क गाममे रहैत छल। ओइ क्रममे दारू दोकान सञ्चालन केनिहार आशासङे हुनकर चिनजान भ सम्बन्ध बनल छल।
“आशाक पतिकेँ दुनूक सम्बन्धक बारेमे पता चललाक बाद दुनू पक्ष बैइस क गाममे बातचित क आशाकेँ रामबाबुक जिमा लगेबाक सम्झौता भेल रहए,” ओ कहलैन, “पतिद्वारा दू बेटा आ एक बेटीक देखभाल करबाक सहमति भेलाक बाद ओसभ अलग भ गेल रहए।”
आशाके सुरूमे आर्थिक अवस्था कमजोर रहल, मुदा बादमे आर्थिक अवस्था सुधरलक बाद ओ रामबाबुसँ दूर होबए लगाल आ पूर्व पतिसँ नजदीक होबए लागल, ताहि द्वारे रामबाबु हत्या केलक, से ओ प्रहरी समक्ष बयान देने जानकारी प्रनाउ सिंह देलैन। रासस





