काठमाण्डू, २० फागुनः गृह मन्त्रालय काइल होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक सम्पूर्ण तैयारी पूरा भेल जनौलक अइछ । आइ भोर मन्त्रालयमे भेल ७७ ओ जिलाक प्रमुख जिला अधिकारी सङेके भर्चुअल बैसारमे निर्वाचनक सुरक्षा, व्यवस्थापनलगायत सम्पूर्ण व्यवस्थापकीय काज पूरा भेल जनाओल गेल अइछ ।
गृह मन्त्रालयके सचिव राज कुमार श्रेष्ठक अध्यक्षतामे मन्त्रालयके उच्च अधिकारीसहित ७७ओ जिलाक प्रमुख जिला अधिकारीसभक भर्चुअल बैसारसँ सब जिलाक निर्वाचन तैयारी आ सुरक्षा व्यवस्थापनक बारेमे जानकारी लेल गेल ।
बैसारमे निर्वाचनक तैयारी, सुरक्षा व्यवस्थालगायत विषयमे केन्द्रित भ परामर्श कएल गेल मन्त्रालयके सहप्रवक्ता रमा आचार्य जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार परामर्शमे सब जिलाक प्रमुख जिला अधिकारीसभद्वारा निर्वाचनक सम्पूर्ण तैयारी पूरा भेल आ सुरक्षा अवस्था सामान्य रहल जानकारी कराओल गेल ।
बैसारमे जिलाक निर्वाचन तैयारी, विद्यमान अवस्था, केन्द्र करएबला समवंयलगायत विषयमे परामर्श भेल अइछ । शान्ति सुरक्षाक अवस्था, निर्वाचनक दिन अपनाबएबला सतर्कता आ सुरक्षा संवेदनशिलताके बारेमे समीक्षा करैत आगामी रणनीति बनेबाक समझदारी भेल सहप्रवक्ता आचार्य जानकारी देलैन ।
गृहसचिव श्रेष्ठ निर्वाचन सुरक्षाकेँ मजबुत आ प्रभावकारी बनेबाक लेल प्रमुख जिला अधिकारीसभकेँ निर्देशन देलैन । बैसारमे सब जिलाक प्रमुख जिला अधिकारी सब कर्मचारी सुरक्षा संयन्त्र आ निर्वाचन सामग्री मतदानस्थलमे पहुँचल जानकारी देलैन । रासस





