मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा सम्पन्न


जनकपुर, १९ फागुनः मिथिलाक महाकुम्भ मानल जाएबला १५ दिनक मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा आइ अन्तिम दिन जनकपुरधाममे पञ्चकोशी अन्तरगृह परिक्रमा करैत सम्पन्न भेल अइछ ।

जनकपुरधामक हनुमानगढीसँ फाल्गुन शुक्लपक्ष प्रतिपदा तिथिसँ सुरु भ फाल्गुन पूर्णिमाधैर सञ्चालन होएबला मिथिला माध्यमिकी परिक्रमामे अइ बेर सेहो लाखो तीर्थयात्री सहभागी छल । मिथिला माध्यमिकी परिक्रमामे १४ दिन सहभागी भेल श्रद्धालुसभ अनिवार्य अन्तरगृह परिक्रमामे सेहो सहभागी होबाक चलन अइछ ।

परिक्रमा मार्गमे होलीका दहनके लेल बारल गेल आइगके राख उड़ाबैत आइ भोरेसँ भक्तजन अन्तरगृह परिक्रमामे सहभागी भेल छल । परिक्रमाक तीर्थयात्रीसभ नेपालक १ सओ ७ आ भारतक २६ सहित जमा १ सओ ३३ किलोमिटरके दूरीके यात्रा तय करैत अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय