राजविराज, २६ साउन । राजविराज–सखडा–गोविन्दपुर सड़क निर्माण कार्य अविलम्ब सम्पन्न करबाक माग करैत सोम दिन सखडासँ पैदल यात्रा निकालल गेल अइछ ।
नेकपा माओवादी केन्द्रक नेता एवम् पूर्व सिंचाई मंत्री उमेश कुमार यादवक नेतृत्वमे आयोजित पैदल मार्च नारा बाजी करैत बिसनपुर चौकमे पहुँचलाक बाद सम्पन्न भेल अइछ । दवाब सृजन करबाक उद्देश्य सँ निकालल गेल यात्रा मे सहभागी सभ “कत छै सरकार, कत छै ठीकेदार? सुशासन कायम कर, कुशासन बन्द कर, राजविराज–सखडा–न्यौरतक सड़क निर्माण कर, प्रधानमन्त्रीजी सुशासन देखैला सखडा आउ” जेकाँ नारा लगाओने छल ।
लम्बा समय सँ सड़क जर्जर अवस्थामे रहल आ निर्माण कार्य सुस्त गतिमे होएबाक कारण सँ आमजनक आवागमनमे बड़ कठिनाइ भ’ रहल छै । सहभागीसभक कहब छै जे समस्याक त्वरित समाधान नहि भेल त सम्बंधित निकायक घेराबंदी कैल जएत।
स्थानीय लोकनिक अनुसार, दैनिक यातायात बाधित, आर्थिक गतिविधि प्रभावित आ छिन्नमस्ता भगवती शक्तिपीठ जाएबा मे भक्तजन सेहो कठिनाइ झेलए बाध्य अइछ । थलमथल आ टुटल–फुटल बाटमे एम्बुलेन्स आ सिटी रिक्सा चालकसबके सेहो जोखिम उठाबए पइररहल अइछ ।
पूर्वमंत्री यादवक कहब छै जे सड़क निर्माण लेल कतेको बेर आवाज उठाओल गेल, मुदा सुनवाई नहि भेलाक कारण बाध्य भ’ दबाब स्वरूप पैदल यात्रा निकालल गेल। हुनकर चेतावनी छै जे शांतिपूर्ण आन्दोलन सँ सुनवाई नइँ भेल त आओर सशक्त आन्दोलन कएल जाएत ।





