भारतीय दूतावासमे मनाएल गेल स्वतन्त्रता दिवस


काठमाण्डू, ३० साओन: काठमान्डुस्थित भारतीय दूतावासमे विभिन्न कार्यक्रमसहित भारतके ७९म स्वतन्त्रता दिवस मनाएल गेल अइछ ।

नेपालक लेल भारतीय राजदूत नवीन श्रीवास्तवद्वारा भारतके राष्ट्रिय झण्डा फहरेलाक बाद समारोहक शुभारम्भ कएल गेल छल। कार्यक्रममे भारतक राष्ट्रपति श्रीमती द्रौपदी मुर्मुद्वारा ७९म स्वतन्त्रता दिवसक पूर्वसन्ध्यापर राष्ट्रक नाममे देल गेल सम्बोधन प्रस्तुत कएल गेल रहए ।

ओइ अवसरमे राजदूत श्रीवास्तव भारतीय सशस्त्र बलक मृतक कर्मचारीक पत्नी आ निकटतम नातेदारकेँ सम्मान केलैन । ओ छ करोड़ ४० लाखक एजीआइएफ (आर्मी ग्रुप इन्स्योरेन्स फण्ड) चेक हस्तान्तरण केलैन ।

दूतावास नेपालक सातु प्रदेश आ २१ जिलामे रहल ३९ शैक्षिक संस्था आ पुस्तकालयक लेल पुस्तक अनुदान देबाक सेहो घोषणा कएने अइछ । अइ पहलसँ दुर्गम क्षेत्रक विद्यार्थीसभक लेल शैक्षिक सामग्रीधैर पहुँच बढ़त, से विश्वास कएल गेल अइछ ।

कार्यक्रममे नेपालमे रइह रहल भारतीय समुदायक सदस्यसभक सङे दूतावासक अधिकारीसभ आ हुनकर परिवार उत्साहजनक सहभागिता छल। अइ अवसरमे दूतावासस्थित स्वामी विवेकानन्द सांस्कृतिक केन्द्र आ केन्द्रीय विद्यालय, काठमाण्डू क विद्यार्थीसभ देशभक्तिपूर्ण गीतपर सांस्कृतिक प्रस्तुति प्रस्तुत केलैन ।।

ताजा खबर
लोकप्रिय