मानवअधिकार संरक्षणके काम जिम्मेवारीपूर्वक करए पड़तः मुख्यमन्त्री कार्की


मोरङ, ४ भादबः कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मत कुमार कार्की मानवअधिकारके संरक्षण आ सम्बर्द्धनके काज जिम्मवारीपूर्वक करबाक लेल आग्रह कएने छैथ ।

व्यवसाय आ मानवअधिकार सम्बन्धी राष्ट्रिय कार्ययोजना २०८०/८५ कार्यान्वयन सम्बन्धी आइ एत आयोजित अन्तरक्रियामे मुख्यमन्त्री कार्की मानवअधिकारक संरक्षणमे राज्यके भूमिका मात्रे नै, सब पक्षके भूमिका आवश्यक भेल बताैलैन ।

ओ सरकार नीतिनियम निर्माण आ सहजीकरणके लेल जिम्मेवार रहैत आएल स्पष्ट केलैन ।

मुख्यमन्त्री कार्की अन्तर्राष्ट्रिय सन्धि आ सम्झौतासँ मिलैबला ऐन, नियम तथा कानुन बनबैत आगु बढ़बाक जोड़ दैत श्रमिक आ व्यवसायके संरक्षणमे सरकार तैयार रहल बतौलैन । ओ कहलैन, “मानवता आ अधिकारके उच्च सम्मान करबाक चाही ।”

सन् २०११ मे संयुक्त राष्ट्रसङ्घ व्यवसाय आ मानवअधिकार सम्बन्धी मार्गदर्शन सिद्धान्त पारित कएलाके बाद विश्वके विभिन्न देशमे अइ सम्बन्धी अवधारणा कार्यान्वयन होइत आएल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय