(रासस/एएफपी)
वासिङ्टन, १२ भादब: अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्पके प्रशासनद्वारा विदेशी विद्यार्थी आ पत्रकारकेँ अमेरिकामे रहबाक समयके विषयमे कडा प्रतिबन्ध लगेबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।
प्रस्तावित परिवर्तनअनुसार विदेशी नागरिकसभ अमेरिकामे विद्यार्थी भिसामे चाइर वर्षसँ बेसी नै रही सकत ।
तहिना विदेशी पत्रकारकेँ २४० दिनक लेल मात्रे रहबाक समय देल जाएत, तइयो ओसभ आओर २४० दिनक समय बढ़ेबाक लेल आवेदन द सकैत छै ।
चिनियाँ पत्रकारसभक लेल ९० दिनक भिसा देल जेबाक व्यवस्था रहत ।
अमेरिका अखनधैर विद्यार्थीके शैक्षिक कार्यक्रम या पत्रकारक काजके समय लेल भिसा जारी करैत आएल छै, तइयो कोनो गैर–आप्रवासी भिसा १० वर्षसँ बेसीके लेल मान्य नै हएत ट्रम्प प्रशासन प्रष्ट कएने अइछ ।
अमेरिका सन् २०२३ आ सन् २०२४ के शैक्षिक सत्रमे ११ लाखसँ बेसी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यार्थीसभकेँ स्वागत कएने छल, जे अन्य देशके तुलनामे बेसी अइछ ।





