थियानजिन (चीन), १५ भादबः शाङ्घाई सहयोग सङ्गठन (एससिओ) शिखर सम्मेलनके लेल चीनके थियानजिन आएल प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली आइ नानकाइ जिलास्थित चाउ एनलाई आ तेङ यिङ्चाओ स्मृति सङ्ग्रहालयके अवलोकन केलैन अइछ । चिनियाँ क्रान्तिके नेता चाउ एनलाई चीनक पूर्वप्रधानमन्त्री छल ।
अवलोकनमे प्रधानमन्त्री ओलीके सङे हुनक पत्नी राधिका शाक्य, पूर्वउपप्रधानमन्त्री एवं प्रतिनिधि सभाके सदस्य पूर्णबहादुर खड्का, शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री रघुजी पन्त, संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उडड्यनमन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डे, पूर्वमन्त्री एवं प्रधानमन्त्रीके आर्थिक तथा विकास सल्लाहकार डा. युवराज खतिवडा, पूर्वमन्त्री एवं प्रतिनिधि सभाके सदस्य छविलाल विश्वकर्मा, परराष्ट्र मन्त्रालयके सचिव अमृतबहादुर राई, चीनक लेल नेपाली राजदूत डा. कृष्णप्रसाद ओली, नेपालक लेल चीनके राजदूत छन सङलगायत सहभागी छलैन ।
चीनके राष्ट्रपति सी चिनफिङके मैत्रीपूर्ण निमन्त्रणमे शिखर सम्मेलनमे होबाक लेल नेपाली प्रतिनिधिमण्डलके नेतृत्व करैत प्रधानमन्त्री ओली इएह भादब १४ चीन आएल छैन ।रासस






