प्रधानमन्त्री ओली आ कम्बोडियाके प्रधानमन्त्री महानेट बीच भेटवार्ता


थियानजिन (चीन), १६ भादबः शाङ्घाई सहयोग सङ्गठन (एससिओ) प्लसके शिखर सम्मेलनके क्रममे चीनक थियानजिन आएल प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली आ कम्बोडियाके प्रधानमन्त्री डा. सोमदेक मोहा बोरभोर तिपाहदे हुन महानेट बीच दू पक्षीय भेटवार्ता भेल अइछ ।

भेटके अवसरमे दू देश बीचक सम्बन्ध, व्यापार आ लगानीके क्षेत्रसभक विस्तारलगायत विषयमे बातचित भेल अइछ ।

भेटके अवसरमे दू देश बीचक आपसी सम्बन्धक विविध पक्षमे बातचित भेल छल । हुनकासभ बीच उच्चस्तरीय भ्रमणके आदानप्रदान करबाक विषयमे सेहो बातचित भेल प्रधानमन्त्रीके निजी सचिवालय जनौने अइछ ।

भेटमे पूर्वउपप्रधानमन्त्री एवं प्रतिनिधि सभाके सदस्य पूर्णबहादुर खड्का, शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री रघुजी पन्त, संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डे, पूर्वमन्त्री एवम् प्रधानमन्त्रीके आर्थिक तथा विकास सलाहकार डा. युवराज खतिवडा, पूर्वमन्त्री एवम् प्रतिनिधि सभाके सदस्य छविलाल विश्वकर्मा, परराष्ट्र मन्त्रालयके सचिव अमृतबहादुर राईलगायत सहभागी छलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको