भंसार छलीके कपड़ा आ मोटरसाइकल सहित एक गोटे गिरफ्तार


सिरहा, २२ भादबः भारतसँ अवैध रुपमे भंसार छली क आनल गेल लत्ताकपड़ा आ दू टा मोटरसाइकल सहित एक गोटेकेँ सशस्त्र प्रहरी गिरफ्तार कएने अइछ ।

आइ भोर गोलबजार नगरपालिका–६ गुम्बाचोक लग सशस्त्र प्रहरी बल नम्बर ७ गण सिरहाके गस्ती टोली उक्त सामानसहित २२ वर्षीय सुखीपुर नगरपालिका–७ सिसवा निवासी राम कुमार यादवकेँ गिरफ्तार कएने अइछ ।

हुनका सङे दोसर मोटरसाइकल चालक फरार रहल सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक नरेश भण्डारी बतौलैन अइछ । सशस्त्र प्रहरीके अनुसार यादवके लगसँ दू लाख ८२ हजार ८ सओ टका बराबरके कपड़ा आ दू लाख ५० हजार टका बराबरके दू थान मोटरसाइकल बरामद कएल गेल अइछ । बरामद कएल गेल सामानके दाम ५ लाख ३२ हजार ८ सओ टका बराबरके अइछ ।

सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक भण्डारीके अनुसार भारतसँ भंसार छली क सामान आनबाक काजमे रोक लगाबए लेल सशस्त्र प्रहरी निगरानी बढ़ौने अइछ । नियन्त्रणमे लेल गेल सामान आवश्यक कानुनी प्रक्रिया पूरा क भंसार कार्यालयमे बुझेबाक तैयारी भ रहल ओ जानकारी देलैन अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको