वीरगञ्ज महानगरद्वारा पुनःनिर्माणक लेल ३० अरब टका विनियोजन


वीरगञ्ज (पर्सा), ४ आसिनः वीरगञ्ज महानगर चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के लेल विनियोजित कएल गेल बजेट पुनःनिर्माणमे केन्द्रित केलक अइछ । बितल भादब २३ आ २४ गते भेल प्रदर्शनक क्रममे भेल तोड़फोड़ आ क्षतिग्रस्त संरचनाके पुनःनिर्माणक लेल बजेट खर्च करबाक महानगर बतौलक अइछ ।

आइ आयोजन कएल गेल नगरसभाके २८म विशेष अधिवेशनसँ पुनःनिर्माणसम्बन्धी प्रस्तावकेँ सर्वसम्मत पारित कएल गेल जनाओल गेल अइछ । जेनजी समूह प्रदर्शनक क्रममे अइ ठामक भवन आ गाड़ीसभ तोड़फोड़, आइगजनी आ लुटपाट भेल छल ।

वीरगञ्ज महानगरके प्रमुख राजेशमान सिंह, महानगरके संशोधित बजेट पेस करैत बजेटक प्राथमिकता परिवर्तन कएल गेल बतौलैन । महानगरके १७म नगरपरिषद्सँ अइसँ पहिने आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के लेल तीन अरब २२ करोड़ ४८ लाख ४९ हजार टकाके बजेट विनियोजन कएल गेल छल ।

विशेष अधिवेशनसँ बजेटमे भेल नगरस्तरीय पुँजीगत योजना, सामाजिक विकास कार्यक्रम तथा वाडस्तरके योजनामे विनियोजन कएल गेल टकाकेँ पुनःनिर्माणदिस स्थानान्तरण करबाक निर्णय कएल गेल अइछ । संशोधनपश्चात् करिब ३० करोड़ पुनःनिर्माणके लेल उपलब्ध कराएल जाएत ।

संशोधित बजेटसँ प्रशासनिक भवन निर्माण, सवारीसाधन खरिद, मेसिनरी उपकरण, ल्यापटप, कम्प्युटर, प्रिन्टर तथा फर्निचर खरिद, कार्यालय भवन मर्मत, गाड़ी भाडा, बिजुली बत्ती आ अन्य आवश्यक सामानसभ किनबाक लेल खर्च करबाक प्रावधान कएल गेल अइछ ।

विशेष अधिवेशनसँ जेनजी प्रदर्शनक क्रममे काठमाण्डूमे भेल प्रदर्शनमे प्रहरीके गोलीसँ मृत्यु भेल वीरगञ्ज महानगरपालिका वाड नं. १२ के असहाब आलमक परिवारकेँ पाँच लाख टका उपलब्ध करेबाक प्रस्ताव पारित कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको