जनकपुरधाम । गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्याल वर्तमान सरकार गठन भेलाक बाद सुरक्षा अवस्था सामान्य बनैत गेल बतौलैन अइछ ।
सशस्त्र प्रहरी बल, नेपाल नं. २ छिन्नमस्ता बाहिनी मुख्यालय महोत्तरीमे भेल सुरक्षा समवंय बैसारकेँ सम्बोधन करैत ओ जेनजी पुस्ताके अगुवाइमे भेल प्रदर्शनक बाद बिगरल शान्ति सुरक्षा आ सेवा प्रवाहकेँ सामान्यीकरण करबाक, अइगला फागुन २१ गते स्वच्छ, निष्पक्ष आ भयरहित वातावरणमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक आ सुशासन प्रवर्द्धन करबाक काजकेँ सरकार प्राथमिकतामे राइख काज क रहल बतौलैन ।
अखनके परिस्थितिमे सरकार जिलासभक शान्ति सुरक्षाके अवस्था विश्लेषण क चुनौतीसभकेँ कम करैत चुनावके ध्यानमे राइख आगु बइढ़ रहल गृहमन्त्री अर्याल बतौलैन । जेनजी प्रदर्शनक क्रममे घायल भेल व्यक्तिसभकेँ परिचयपत्र प्रदान करबाक आ राहत उपलब्ध करेबाक सम्बन्धमे सरकारसँ भेल निर्णय जानकारी कराबैत ओ निर्णयसभकेँ प्रभावकारी रुपमे कार्यावंयन करबा लेल निर्देशन सेहो देलैन ।
गृहमन्त्री अर्याल कहलैन, “केन्द्रसँ होबएबला नीतिगत एवं कानुनी दायित्व आ जिमेवारीकेँ हमसभ समयमे क रहल छी आ करब । कानुन संशोधन, आवश्यक स्रोत साधनक व्यवस्थापन, राजनीतिक दलसभ आ सरोकारवालासभसँ सेहो बातचित भ रहल छै ।”
मतदान केन्द्रके पुनर्निर्माण करबाक, मतदान केन्द्रसभकेँ सुदृढ़ करबाक आवश्यक भेलासँ ओइके विश्लेषण क जल्द प्रतिवेदन देबाक लेल निर्देशन दैत मन्त्री अर्याल प्रदेश आ जिलास्तरसँ निर्वाचन सुरक्षा योजनाकेँ जल्द अन्तिम रुप देबाक लेल सुझाव देलैन ।
प्रदेशस्तर आ जिलास्तरमे शान्ति सुरक्षा कायम करए, अपराध नियन्त्रणलगायतक विषयसभमे सही सूचना सङ्कलन, विश्लेषण करबाक आ आवश्यकताअनुसार जोखिमके आधारपर समयमे सम्बन्धित निकायमे सम्प्रेषित करबाक लेल निर्देशन दैत ओ कहलैन, “सुरक्षा निकायसभ बीच आपसी समवंय क संयुक्त गस्ती करैत जनताके सुरक्षाक अनुभूति देबाक लेल प्रभावकारी ढङ्गसँ काज करु ।”
गृहमन्त्री अर्याल कहलैन, “काज भ रहल छै, क रहल छी तइसँ बेसी आबैबला समयमे अपनासभकेँ अइ ठामक कार्यसम्पादनकेँ तथ्यपर आधारित भ क देखब आ मूल्याङ्कन करब ।”
गृहमन्त्री अर्याल कहलैन, “विपद्मे जेना क अपनासभ समंवयात्मक ढङ्गसँ काज कएलौँ तहिना, शीतलहरके अवस्था आएल तँ राज्यक उपस्थिति महसुस होबएजकाँ ओइके पूर्वतैयारी करब । ”
मन्त्री अर्यालक अध्यक्षतामे भेल उक्त सुरक्षा समंवय बैसारमे मधेश प्रदेशक प्रमुख सचिव, नेपाली सेनाके मध्यपूर्वी पृतनाके पृतनापति, गृह मन्त्रालयके सहसचिव, मधेश प्रदेशक प्रदेश सचिव, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक प्रदेश प्रमुख, सर्लाही, सिरहा, धनुषा आ महोत्तरीके प्रमुख जिला अधिकारीलगायत जिला सुरक्षा समितिक पदाधिकारीसभक सहभागिता छलैन । रासस





