काठमाण्डू, १७ कातिकः अइ सालके अक्टुबर महिनामे एक लाख २८ हजार ४ सओ ४३ गोटे पर्यटक नेपाल भ्रमण केलक अइछ । ई महिना पर्यटकीय हिसाबसँ उत्तम भेलासँ पर्यटकके आवागमन बढ़ल अइछ ।
नेपाल पर्यटन बोर्डद्वारा सार्वजनिक कएल गेल तथ्याङ्कअनुसार दक्षिण एशियासँ २९ हजार ६०, एशियाके अन्य देशसँ २३ हजार १ सओ २७, यूरोपसँ ४० हजार ५ सओ, ओसियानसँ छ हजार ८ सओ १४, अमेरिकासँ १६ हजार ४ सओ ७, मध्यपूर्वसँ तीन हजार ५ सओ ४८, अफ्रिकासँ ४ सओ ४३ आ अन्य देशसँ आठ हजार ४ सओ ४४ गोटे पर्यटक नेपाल आएल अइछ ।
बोर्डके अनुसार, बितल जनवरीसँ अक्टुबरधैर जमा ९ लाख ४३ हजार ७ सओ १६ गोटे पर्यटक नेपाल आएल अइछ ।
अक्टुबरमे भारतसँ सबसँ बेसी १७ हजार २ सओ ९८ गोटे पर्यटक नेपाल आएल अइछ । तहिना, अमेरिकासँ १३ हजार २ सओ ८६, बेलायतसँ आठ हजार ७ सओ १८, चीनसँ छ हजार ७ सओ ५५, जर्मनीसँ छ हजार ३ सओ ६६, अष्ट्रेलियासँ छ हजार १ सओ ७७ गोटे नेपाल भ्रमणमे आएल अइछ ।
तहिना, श्रीलङ्कासँ पाँच हजार ५ सओ ३५, फ्रान्ससँ पाँच हजार ४५, बङ्गलादेशसँ चाइर हजार ६ सओ ४१ आ म्यानमारसँ तीन हजार ३८ गोटे पर्यटक नेपाल भ्रमणमे आएल अइछ । (रासस)






