जनअपेक्षा पूरा करबाक प्रहरी महानिरीक्षक कार्कीके प्रतिबद्धता


काठमाण्डू, २७ कातिकः नवनियुक्त प्रहरी महानिरीक्षक दान बहादुर कार्की प्रहरी कर्मचारीके मनोबल बढ़ाबैत सरकार आ जनसमुदायके अपेक्षा पूरा करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन अइछ । गृह मन्त्रालयमे आइ आयोजित विशेष समारोहमे दर्ज्यानी चिह्न प्राप्त कएलाक बाद प्रहरी महानिरीक्षक कार्की सङ्गठनमे सुदृढ़ नेतृत्व आ सामूहिकता प्रदर्शन कएल जेबाक बतौलैन ।

“अपराध आ सुरक्षा चुनौतीसभक पारस्पिरिक प्रवृत्तिमे भेल परिवर्तन, सूचना प्रविधिके द्रूत विकास आ सुशासनक जनअपेक्षाअनुरुपके मनोबलयुक्त प्रहरी चरित्र आ क्षमता निर्माण क प्रभावकारी सेवा प्रवाह केनाइ सरकार आ प्रहरी सङ्गठनके सझिया दायित्व छै”, प्रहरी महानिरीक्षक कार्की कहलैन ।

कम समयमे प्रहरीके संरचना आ सेवा पुनःस्थापनामे देखल गेल सक्रियतासँ प्रहरीके भूमिका स्पष्ट भेल ओ बतौलैन ।

२८ साल हम प्रहरी सङ्गठनमे निर्वाह कएने भूमिकाके कदर करैत प्रहरी सङ्गठनके नेतृत्व करबाक अवसर प्रदान कएने कारण ओ सरकारके आभार व्यक्त केलैन ।

समारोहमे गृह मन्त्रालयके सचिव रामेश्वर दङ्गाल नवनियुक्त प्रहरी महानिरीक्षक कार्कीकेँ दर्ज्यानी चिह्न प्रदान कलैन । ३० सालक सेवा अवधि पूरा क प्रहरी महानिरीक्षक चन्द्र कुवेर खापुङ अनिवार्य अवकाशमे गेलाक बाद सरकारद्वारा प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षकमध्येसँ वरिष्ठतम् कार्कीकेँ प्रहरी सङ्गठनके प्रमुख बनेबाक निर्णय कएल गेल छल ।

समारोहमे राष्ट्रिय अनुन्धान विभागक मुख्य अनुसन्धान निर्देशक टेकेन्द्र, प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक, सशस्त्र प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक, गृह मन्त्रालयके कर्मचारीसभ सहभागी छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय