कोशी प्रदेश योजना आयोगक उपाध्यक्षमे निरौला


विराटनगर, ३ अगहनः कोशी प्रदेश सरकारक योजना आयोगक उपाध्यक्षमे विराटनगरके तारानाथ निरौला नियुक्त भेल छैथ । आइ भेल प्रदेश सरकारक मन्त्रिपरिषद् बैसारसँ हुनका उपाध्यक्ष पदमे नियुक्त करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

अइसँ पहिनेके उपाध्यक्ष डा. राजेन्द्र अधिकारी बितल कातिक २० गतेसँ लागू होएजँका देने राजीनामा स्वीकृत करैत आइ भेल बैसारसँ निरौलाकेँ नियुक्त करबाक निर्णय कएल गेल प्रदेश सरकारक प्रवक्ता एवं आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री रेवतीरमण भण्डारी जानकारी देलैन । नवनियुक्त उपाध्यक्ष निरौला बैंकिङ क्षेत्र तथा स्थानीय तहके अनुभवी व्यक्तिके रुपमे स्थापित व्यक्ति छैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय