कमला पुल निर्माण तीव्र गतिमे आगू बढ़ेबाक मन्त्री घिसिङके प्रतिबद्धता


सिरहा, ५ अगहनः भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री कुलमान घिसिङ हुलाकी सड़कअन्तर्गत सिरहा आ धनुषा जोड़ैबला कमला नदीमे निर्माणाधीन पुलके काज तीव्र गतिमे आगू बढ़ेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन अइछ ।

करिब १४ साल पहिने ठिक्का सम्झौता भेलोपर पुल निर्माण पूरा नै भेलासँ अइ ठाँमक नागरिक समस्या भोइग रहल शिकायत आएलाक बाद मन्त्री घिसिङ आइ स्थलगत अनुगमन कएने अइछ।

मन्त्री घिसिङ कहलैथ, “पुलके बारे हम बहुत बेर सुइन चुकल छी, पुल अइ क्षेत्रके आ समग्र मधेशके लाइफलाइन छियै, कमला पुलके निर्माण बिना ई क्षेत्रके समग्र विकास नै हएत”, ओ कहलैन ।

मन्त्री घिसिङसङे युवा तथा खेलकुद मन्त्री बब्लु गुप्ता, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयक सचिव केशव कुमार शर्मा, सड़क विभागक महानिर्देशक विजय जैशी, हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय, योजना कार्यालय जनकपुरक प्रमुख कृष्ण कुमार महतो, जेन्जी अगुवासभ सुदन गुरुङ, पुरषोत्तम यादव, शिव यादव सहित सम्मिलित टोली कमला पुलके संयुक्त अनुगमन कएने अइछ । अनुगमनमे मन्त्री घिसिङ नाह चइढ़ क धनुषासँ सिरहा पहुँचल छल ।

वि.सं. २०६८ जेठमे २४ करोड़ ९१ लाख टकाके लागतमे पप्पु लुम्बिनी जेभीसँ पुल निर्माणक लेल सम्झौता भेल छल । वि.सं. २०७१ अगहनमे निर्माण सम्पन्न होएबला पुल हालधैर पूरा नै भेल छै । पुल निर्माण सम्बन्धित सम्झौताकेँ हाल नवौँ म्याद बढ़ेबाक प्रक्रियामे अइछ ।

विंस २०७८ अखार १७ के बाइढ़के कारण पुलके दूटा जग भसिएलासँ क्षति भेल छल । कूल ४६९ मिटर लम्बाइके ई पुलके ८३ प्रतिशत भौतिक प्रगति आ ८२ प्रतिशत वित्तीय प्रगति भेल अइछ ।
मन्त्री घिसिङ विगतमे पुल निर्माणमे भेल अनियमितताके सम्बन्धमे सम्बन्धित निकाय खोजबिन क रहल आ दोषीकेँ कानुन बमोजिम कारबाही कएल जेबाक प्रतिबद्धता सेहो केलैन । अनुगमनके क्रममे मन्त्री घिसिङकेँ कमला पुल निर्माण सङ्घर्ष समिति सेहो जल्दी पुल निर्माण करबाक माँग करैत ज्ञापनपत्र देने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय