रासस/एएफपी
हङकङ, ११ अगहनः हङकङके एकटा विशाल आवासीय कम्प्लेक्समे भेल आइगलगीमे पइर ४४ गोटेक मृत्यु भेल अइछ । अधिकारीसभक अनुसार एक सओसँ बेसी नागरिक बेपत्ता अइछ ।
बुधदिन दुपहरमे वाङ फुक कोर्टके ३१ तलाक आवासीय ब्लकसभमे कएल गेल मर्मतक काजके क्रममे बाँकी भेल ज्वलनशील सामग्रीके कारण आइग पसरल छल । प्रहरीद्वारा ‘गम्भीर लापरवाहीके सङ काज कएने’ आरोपमे तीन गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ । घटनास्थलपर फोम प्याकेजिङ भेटलाक बाद ओकरासभकेँ गिरफ्तार क अनुसन्धान सुरु कएल गेल अइछ ।
ओइ ठामक नेता जोन ली करिब २ सओ ७९ गोटेधैर बेपत्ता भेल प्रारम्भिक अनुमान कएल गेल कहैत ९ सओसँ बेसी नागरिक अस्थायी आश्रय लेने जानकारी देलैन । राहतकर्मीसभ राइतभैर बेपत्ता सूची अद्यावधिक क रहलाक कारण वास्तविक सङ्ख्या पुष्टि होबाक बाँकी भेल बताओल गेल अइछ ।
फायर सर्भिसके उप निर्देशक डेरेक आर्मस्ट्रङ चान घटनास्थलके ताप बेसी भेलाक कारण किछ तलाधैर पहुँचबाकमे समस्या भ रहल बतबैत उद्धार प्रयास निरन्तर जारी रहल बतौलैन ।
चिनियाँ राष्ट्रपति सी जिनपिङ मृतक तथा घायल भेल व्यक्तिसभप्रति समवेदना व्यक्त केलैन अइछ ।
स्थानीय मिडियाके अनुसार लगपासक किछ ब्लक खाली कराओल गेल अइछ । राजमार्गके किछ भाग बन्द कएल गेल अइछ, तँ राहत टोली बेसी सङ्ख्यामे परिचालन कएल गेल अइछ ।





