काठमाण्डू, २९ फागुनः नेपाल विश्व व्यापार स्गठन (डब्ल्युटीओ) व्यापार तथा वातावरण समितिक अध्यक्षमे चयन भेल अइछ ।
संयुक्त राष्ट्रसङ्घ तथा अन्य अन्तर्राष्ट्रिय सङ्घसङ्गठनसभक लेल जेनेभास्थित नेपालक स्थायी नियोग अनुसार इएह फागुन २७ गते भेल महासभाक बैसारसँ नेपालकेँ एक वर्षे कार्यकालके लेल सर्वसम्मत रूपमे अध्यक्ष चयन कएल गेल अइछ ।
समिति डब्ल्युटीओ सदस्य राष्ट्रसभ बीच व्यापार नीतिसभक कारण वातावरणमे पड़एबला प्रभाव आ पर्यावरण नीतिसँ व्यापारमे पड़एबला प्रभाव तथा जलवायुसम्बन्धी व्यापारक विषय सम्बोधन करबाक मञ्चके रूपमे अइछ । अल्प विकसित राष्ट्रके सूचीसँ बाहर होबाक क्रममे रहल देशक लेल प्राप्त ई भूमिका डब्ल्युटीओ सदस्यसभ सङे लगसँ सहकार्य करैत नेपालक व्यापारकेँ विश्वव्यापी बजारमे एकीकृत करबाक लेल योगदान पहुँचत से अपेक्षा कएल गेल अइछ ।
संयुक्त राष्ट्रसङ्घ तथा अन्य अन्तर्राष्ट्रिय सङ्घसङ्गठनसभक लेल नेपालक स्थायी प्रतिनिधि राम प्रसाद सुवेदी समितिमे देशक प्रतिनिधित्व करबाक जनाओल गेल अइछ । रासस
Imagesourse:ratopati.com





