सात वर्षीया बालिका बलात्कारक आरोपमे ६७ वर्षीय वृद्ध गिरफ्तार


धनुषा, १४ अगहनः सात वर्षीया बालिकाके बलात्कार कएने आरोपमे ६७ वर्षीय एक गोटे वृद्धके गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

इलाका प्रहरी कार्यालय महेन्द्रनगरके अनुसार बालिका बलात्कार आरोपमे जिलाके क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका–५ महेन्द्रनगर निवासी ६७ वर्षीय राम भगत साहकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

आरोपी साह शैनदिन बालिकाकेँ अस्गर भेल मौकामे बलात्कार क फरार होइतकाल स्थानीय पकैर क प्रहरीकेँ जिमा लगौने छल ।

पीड़ित बालिकाके प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधाममे स्वास्थ्य परीक्षण कएल गेल आ आरोपीकेँ हिरासतमे ल अनुसन्धान आगु बढ़ाएल गेल इलाका प्रहरी कार्यालयके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक राजाराम यादव जानकारी देलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय