जनकपुरधाम, ३ चैतः मधेश प्रदेशमे अइ साल आम उत्पादनमे वृद्धि होबाक अनुमान कएल गेल अइछ । मधेश प्रदेशक आठो जिलामे खेत तथा फूलबाइरमे लगाएल गेल आमक गाछमे पर्याप्त मजर लागल अइछ ।
चैत/वैशाखमे हावा बिहाइर, मधुवा रोगके प्रभाव नै भेल तँ अइ साल मधेशमे आम उत्पादन उल्लेख्य होबाक सम्भावना अइछ । आठो जिलामे बितल सालके तुलनामे अइ साल करिब ६० प्रतिशतसँ बेसी आम उत्पादन होबाक मधेश प्रदेशक कृषि विकास निर्देशनालयके वरिष्ठ बागवानी विकास अधिकृत प्रदीप कुमार यादव जानकारी देलैन । अइ साल मधेशक कृषक करिब ३० हजार ८ सओ हेक्टर क्षेत्रफलमे आम खेती कएने अइछ । मौसमअनुकूल रहल तँ प्रदेशमे चाइर लाख मेट्रिक टनसँ बेसी आम उत्पादन होबाक ओ बतौलैन ।
मधेशक जिलामध्ये धनुषा, महोत्तरी, सिरहा आ सप्तरी आम उत्पादनक हिसाबसँ अग्रणी मानल जाइत अइछ । व्यावसायिक रूपमे आम खेती विस्तार भेलासँ ई प्रदेश देशक जमा आम उत्पादनके करिब ७६ प्रतिशत हिस्सा लेने निर्देशनालयके तथ्याङ्क अइछ । बितल आर्थिक वर्षमे मधेशक कृषक ३० हजार ६ सओ हेक्टरमे आम खेती कएने छल । ओइ समयमे प्रदेशमे तीन लाख ९५ हजार ९ सओ ६२ मेट्रिक टन आम उत्पादन भेल छल ।
मधेशक कृषक विशेष क मालदह, बम्बै, कलकत्तिया, आम्रपाली आ दशहरी, केरवा, विजु, सिपियालगायत आमक खेती करैत आएल अइछ । अइ ठाम उत्पादन होएबला आम स्थानीय बजार सङे काठमाण्डू लगायत देशक प्रमुख सहरमे सेहो बिक्री होइत अइछ । अइ साल गाछमे भेल मजरसँ कृषक उत्साहित अइछ ।
बागवानीमे पर्याप्त मात्रामे गाछमे मजर देख क व्यापारीसभ ठेक्कामे लेबाक लेल गाम गाम पहुँचए लागल कृषक विल्टु महतो बतौलैन । आम खेतीसँ नीक आम्दानी होबाक कारण बितल समय मधेशक कृषकसभ आम खेतीमे आकर्षित भेल अइछ । कृषि विज्ञ भगिरथ यादवके कहब अनुसार बागवानी व्यवस्थापन आ रोग नियन्त्रणमे ध्यान देलापर मधेशमे आम उत्पादनमे आओर वृद्धि होबाक सम्भावना अइछ ।
नेपालमे विदेशी आमके आयात सेहो उल्लेख्य मात्रामे होइत अइछ । प्लान्ट क्वारेन्टाइन कार्यालय भिट्ठामोड़के प्रमुख किशोर कुमार यादवके कहब अनुसार बितल आर्थिक वर्षके फागुनसँ चालु आर्थिक वर्षके कात्तिकधैर भारतसँ भिट्ठामोड़ नाका होइत ३ सओ ५९ मेट्रिक टन आम नेपाल आयात कएल गेल छल । रासस





