काठमाण्डू, ३ चैतः ‘हमरासभक एकता, समृद्धिके आधार’ नारासँ आयोजित गैरआवासीय नेपाली सङ्घ (एनआरएनए)के १२म विश्व सम्मेलन तथा बृहत् अन्तर्राष्ट्रिय एकता महाधिवेशन सम्पन्न भेल अइछ । सम्मेलनसँ नेपालक विकासमे प्रवासी नेपालीके लगानी, श्रमिक अधिकार आ संस्थागत एकताकेँ प्राथमिकता दैत १२ बिन्दुके घोषणापत्र जारी कएल गेल अइछ ।
फागुन ३० गतेसँ चैत २ गतेधैर काठमाण्डूमे भेल सम्मेलनसँ विश्वभैर फैलल नेपाली समुदायकेँ नेपालक समृद्धि, विकास तथा विश्वव्यापी रूपमे रहल नेपालीके हित प्रवद्र्धनक लेल एकताबद्ध भ आगु बढ़बाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल अइछ ।
रोजगारी सिर्जना, उद्यमशीलता विकास तथा भौतिक पूर्वाधार निर्माणमे प्रवासी नेपालीके लगानीकेँ प्रोत्साहन करबाक लेल सम्मेलनसँ प्रतिबद्धता जनाएल गेल अइछ ।
घोषणापत्रमे गैरआवासीय नेपालीके लगानी व्यवस्थापनक लेल अलग निकाय स्थापना, बैंक खाता खोलबाक आ लगानी फिर्ता ल जेबाक लेल सहज व्यवस्था करबाक सम्बन्धित ऐन तथा नियमावली संशोधन करबाक लेल सरकारसँ माँग कएल गेल अइछ ।
सम्मेलनसँ मध्यपूर्वके अवस्थाप्रति चिन्ता व्यक्त करैत सङ्कटमे भेल नेपालीके उद्धार, राहत आ पुनःस्थापनामे नेपाल सरकार तथा अन्तर्राष्ट्रिय निकायसँ सहकार्य सुदृढ़ करबाक जनाएल गेल अइछ ।
तहिना, विश्वके विभिन्न देशमे कार्यरत नेपाली श्रमिकसभक सुरक्षा, अधिकार आ सम्मानजनक रोजगारी सुनिश्चित करबाक लेल सम्बन्धित देश, अन्तर्राष्ट्रिय संस्था तथा नेपाल सरकारसँ सहकार्य करबाक प्रतिबद्धता सेहो व्यक्त कएल गेल अइछ ।
सम्मेलनसँ जलविद्युत्, कृषि, पर्यटन, सूचना प्रविधि तथा नवप्रवर्तनमूलक उद्योगमे गैरआवासीय नेपालीके लगानी प्रवर्द्धन करैत लगानीमैत्री वातावरण निर्माणक लेल नेपाल सरकारसँ सहकार्य करबाक प्रतिबद्धता जनाएल गेल अइछ ।
सम्मेलनमे चाइर हजार २ सओ ८६ प्रतिनिधि सहभागी छलैन । ओेइमध्ये चाइर सओसँ बेसी प्रतिनिधि काठमाण्डूमे भौतिक आ बाँकी प्रतिनिधि अनलाइनमार्फत सहभागी भेल आयोजक जनौलक अइछ ।रासस





