कुवेतमे भेल नेपालीकेँ साउदी अरब होइत स्वदेश घुरबाक लेल अनुरोध


काठमाण्डू, २ चैतः कुवेतस्थित नेपाली दूतावास नेपाल घुरबाक लेल इच्छुक नेपालीकेँ साउदी अरबके रास्तासँ घुरबाक लेल अनुरोध केलक अइछ । दूतावास रैबदिन विज्ञप्ति जारी करैत मध्यपूर्वमे विकसित विद्यमान परिस्थितिकेँ ध्यान दैत साउदी अरबके विमानस्थल होइत नेपाल जेबाक लेल इच्छुक कुवेतमे रहएबला नेपाली ‘अनलाइन’ मार्फत साउदी भिसाके लेल आवेदन द सकबाक जनौलक अइछ ।

दूतावास कहने अइछ, “मध्यपूर्वमे विकसित विद्यमान परिस्थितिकेँ दृष्टिगत करैत साउदी अरबके विमानस्थल होइत नेपाल जेबाक लेल इच्छुक नेपाली नागरिक अनलाइनमार्फत साउदी भिसाके लेल आवेदन द सकत । भिसा प्राप्त भेलाक बाद सड़कमार्गसँ साउदी प्रवेश क साउदीके विमानस्थल होइत नेपाल घुइर सकबाक कारण भिसाके लेल अनलाइनमार्फत आवेदन देबाक लेल अनुरोध अइछ ।”रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय