श्रीलङ्कामे चक्रवातक कारण ४ सओ ६५ गोटेक मृत्यु


रासस/एएफपी
कोलम्बो, १७ अगहनः श्रीलङ्कामे विनाशकारी चक्रवातक कारण अखनधैर ४ सओ ६५ गोटेक मृत्यु भेल अधिकारीसभ बतौलक अइछ । घर, उद्योग आ सड़कलगायतक क्षत्रिग्रस्त सुविधा पुनर्निर्माण करबाक लेल करिब ७ अरब डलर आवश्यक होबाक सेहो अधिकारीसभ बतौने अइछ ।

बितल हप्ता देशभैर वर्षा सङे चक्रवातसँ आएल बाइढ़ आ भुस्खलनके कारण ३ सओ ६६ गोटे बेपत्ता अइछ ।

पुनर्निर्माणक लेल करिब ६ सँ ७ अरब डलर आवश्यक होबाक प्रारम्भिक अनुमान कएल गेल उद्धार काजक नेतृत्व क रहल अत्यावश्यक सेवाके आयुक्त–जनरल प्रभात चन्द्रकीर्ति बतौलैन अइछ ।

सरकारद्वारा प्रत्येक परिवारकेँ ओकरासभक घर सफा करबाक लेल २५ हजार टका तथा घर नै भेल व्यक्तिसभकेँ २५ लाख टका सहयोग प्रदान कएल गेल चन्द्रकीर्ती बतौलैन ।

राष्ट्रपति अनुरा कुमार दिसानायक तीन सालसँ देश खराब आर्थिक सङ्कटसँ गुजैर रहलाक कारण राहत तथा उद्धार काजक लेल विदेशी सहयोग आवश्यक भेल बतौलैन अइछ ।

आर्थिक सङ्कटके सामना क रहल अवस्थामे भेल अइ विपत्तिके सामना करबाक सरकारक सबसँ बड़का चुनौती भेल दिसानायकके कहब छैन ।

हप्ताके अन्तिममे बड़का बाइढ़ अएलाक बाद बुधदिनसँ राजधानी कोलम्बोमे बाइढ़क पाइन घइट रहल बताओल गेल अइछ ।

देशक १५ लाखसँ बेसी नागरिक प्राकृतिक प्रकोपसँ प्रभावित भेल आ लगभग दू लाख लोगसभ राज्यद्वारा संचालित सुरक्षित आश्रयमे भेल बताओल गेल अइछ ।

मध्य पहाड़क दुर्गम क्षेत्रसभ बेसी प्रभावित भेलाक कारण अधिकारीसभ सड़कसभ सुरु करबाक तथा संचार लाइनसभ पुनस्र्थापनाके प्रयास क रहल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय