एके दिन देशभैरके १७ स्थानमे आइगलगीके घटना


काठमाण्डू, १७ अगहनः राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरणके अनुसार अगहन १५ गते भोरसँ १६ गते भोरधैर देशभैर २० टा विपद्के घटना भेल अइछ ।

प्राधिकरणमे प्राप्त भेल विवरण अनुसार २० मध्ये १७ टा आइगलगीके घटना अइछ । बाँकी तीनटा घटनामे मुस्ताङमे लेक लागल, महोत्तरीमे सर्पदंश आ पर्सामे जानवरक आक्रमण भेल अइछ । पर्साके पर्सागढी नगरपालिका ३ झुलिटार निवासी ५५ वर्षिया एक महिला जंगलमे घाँस काटबाक लेल जाइतकाल बाघक आक्रमणसँ घायल भेल छैन ।
J
प्राधिकरणक अनुसार आइगलगीके कारण ८२ लाख ९१ हजार टका बराबरके क्षति भेल अइछ । सिरहामे तीन, भोजपुरमे दू, पाँचथर, मोरङ, उदयपुर, सप्तरी, रौतहट, बारा, पर्सा, ललितपुर, कास्की, कपिलवस्तु, गुल्मी, बाँकेमे आइगलगीके घटना भेल अइछ । अधिकांश आइगलगीके घटना असावधानीके कारण भेल प्राधिकरणके कहब अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय