गोवाके क्लबमे भेल आइगलगीमे चाइर नेपालीसहित २५ गोटेक मृत्यु


रासस/एएफपी
नयाँदिल्ली, २२ अगहनः भारतक गोवास्थित पर्यटकीय रिसोर्ट क्षेत्रमे नाइटक्लबमे आइगलगी भेलासँ चाइर गोटे नेपालीसहित २५ गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

रैबदिन गोवामे भेल आइगलगीके घटनामे चाइर गोटे नेपाली नागरिकसहित २५ गोटेक मृत्यु भेल घटना प्रति दुःख व्यक्त करैत नेपालक राजदूत शङ्कर शर्मा विज्ञप्ति जारी केलैन अइछ ।

विज्ञप्ति मार्फत शोकाकुल परिवारप्रति संवेदना प्रकट करैत घायल भेल व्यक्तिसभक शीघ्र स्वास्थ्य लाभक प्रार्थना केलैन ।

मृतक मध्ये अधिकाशं भारतीय नागरिक भेल आ मुख्यतया नाइट क्लबके कर्मचारी, नयाँ दिल्लीसँ छुट्टी मनेबाक लेल आएल पर्यटकसभ भेल जनाओल गेल अइछ ।

गेवाके उत्तरमे भेल अर्पोराके एकटा क्लबमे विद्युतीय फटाखाके कारण आइगलगी भेल होबाक अनुमान अधिकारीसभद्वारा कएल गेल अइछ ।

गोवाके मुख्यमन्त्री प्रमोद सावन्त घटनाके अनुसन्धानक लेल चाइर गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल तथा अन्य नाइट क्लबसभमे अनुसन्धानक आदेश देल गेल बतौलैन ।

ताजा खबर
लोकप्रिय