काठमाण्डू, २४ अगहनः नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) अन्तर्गत इलिमिनेटरमे आइ काठमाण्डू गोर्खाज आ लुम्बिनी लायन्स बीच प्रतिस्पर्धा होबए लागल अइछ ।
त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट रङ्गशालामे होएबला आजुक खेल दुपहर ४ः०० बजेसँ सुरु हएत ।
काठमाण्डू तेसर आ लुम्बिनी अंक तालिकाके चारिम स्थानमे छै । लिग चरणके खेलमे काठमाण्डू लुम्बिनीकेँ २२ रनसँ पराजीत कएने छल । आजुक खेलमे जीत हासिल करैबला टोली दोसर क्वालिफायरमे विराटनगर किङ्ससँ काइल्ह प्रतिस्पर्धा करत । विराटनगर पहिल क्वालिफायरमे सुदूरपश्चिम रोयल्ससँ पराजित भेल छल । (रासस)





