इजरायलक विद्यालयमे मोबाइल फोन चलाबयपर प्रतिबन्ध


जेरुसलेम,  (रासस/एएफपी):
इजरायल फरवरीसँ प्राथमिक विद्यालयसभमे बच्चासभकेँ मोबाइल फोनक प्रयोग करएपर प्रतिबन्ध लगेबाक निर्णय केलक अइछ।

शिक्षा मन्त्रालयक वेबसाइटपर शुक्रदिन जारी सूचनामे प्रतिबन्ध लगेबाक निर्णय सार्वजनिक कएल गेल अइछ। मानल जा रहल अइछ जे ई प्रतिबन्ध इजरायली शैक्षिक प्रतिष्ठानसभमे बच्चासभकेँ फोनक पहुँचसँ रोकत।

शिक्षा मन्त्रालयद्वारा जारी कएल गेल विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “सन् २०२६ फरवरी २सँ प्राथमिक विद्यालयमे नव नीति लागू हएत , बच्चासभकेँ विद्यालय परिसरमे मोबाइल फोनक प्रयोग करएसँ प्रतिबन्ध लगाएल जाएत।”

शिक्षामन्त्री योभ किस्च कहलैन, “ई नीति ‘इजरायल आ विश्वभैरक अध्ययनक सङे स्वस्थ आ सुरक्षित शैक्षिक वातावरणक लेल इजरायली मन्त्रालयक प्रतिबद्धतापर आधारित अइछ, जाहिक उद्देश्य विद्यार्थीसभक फोनक प्रयोगक नकारात्मक प्रभावकेँ कम करब अइछ।”

प्रतिबन्धक कार्यान्वयनक सङे कक्षा कोठामे शैक्षिक कार्यक्रम आ अभिभावकसँ कएल संवादमे सन्तुलित फोनक प्रयोग करबाक लेल सिखाएब, सामाजिक सञ्जालक अत्यधिक प्रयोग (बच्चासभद्वारा) रोकब आ उमरक अनुपयुक्त सामग्रीक जोखिम कम करब सम्भव भ सकत।
आइसँ तत्काल सेहो विद्यालयसभ हुनकासभक विद्यालय परिसरमे मोबाइल फोनक प्रयोगपर प्रतिबन्ध लगाबयकेँ निर्णय क सकैत छैथ मुदा सरकारी प्रतिबन्ध फरवरी २ सँ लागू हएत ।
सेप्टेम्बरमे स्कूल वर्ष सुरू भेलाक बादसँ नगरपालिकाक निर्णय मार्फत विद्यालयसभमे स्मार्टफोनपर प्रतिबन्ध लगाएल गेल अइछ। अष्ट्रेलिया आ फ्रान्स सहित कतेकाे देश विद्यालयमे मोबाइल फोनपर अइ तरहक प्रतिबन्ध लगा चुकल अइछ। संयुक्त राष्ट्रसङ्घक संस्कृति तथा शिक्षा निकाय युनेस्कोक अनुसार सन् २०२४ क अन्तधैर विश्वभैरक ४० प्रतिशत शिक्षा प्रणालीमे विद्यालयमे स्मार्टफोनक प्रयोगपर कोनो न कोनो प्रकारक प्रतिबन्ध लगाएल गेल छल। ई सन् २०२३धैर मात्र ३० प्रतिशत छल।

ताजा खबर
लोकप्रिय