कला साधक एस.सी सुमनकेँ मिथिला चित्रकलाक प्रदर्शनी सिद्धार्थ आर्ट ग्यालरी, बबरमहलमे चइलरहल अइछ । हुनक अध्ययन, अनुसन्धान एवम् अद्भूत प्रायोगिक चित्रकला अवलाकन हेतु कलाप्रेमीक अतिरिक्त विशिष्ट व्यक्तित्व लोकइन एबाक क्रम जारी अइछ ।
एकर अतिरिक्त आर्ट ग्लालरीमे मिथिला मधेशक डाला सेहो आकर्षणक केन्द्र बनल अइछ । खासकए डोम समुदायद्वारा बाँसस’ बनाओल जाएवाला अइ डालाके अनिवार्यता विआहमे रहैत अइछ । हस्तकलाक बेजोड नमूना एवम् रङ्गीविरङ्गी सुशोभित डाला आम अवलोकनकर्ताकेँ नजैर अपनादिस तानएमे सफल भ’ रहल अइछ ।
तस्विरः नित्यानन्द मण्डल/ काठमाण्डू






