सिरहा, ४ पुसः औरही गाउँपालिका कृषककेँ ५० प्रतिशत अनुदानमे उन्नत जाइतक गहुँमक बीया वितरण केलक अइछ । उपयुक्त समयमे गहुँमक नीक बीया प्राप्त कएलाक बाद अइ ठामक कृषक उत्साहित भेल अइछ ।
मधेश प्रदेशमे सामान्यतया मध्य पुस भीतर गहुँम लगाओल जाइत अइछ । मुदा, समयमे नीक बीया नै भेटलाक कारण कृषकसभकेँ हरेक साल समस्या होइत अइछ । एहन अवस्थामे गाउँपालिकाके कृषि शाखामार्फत अइ ठामक माइट आ हावापाइनमे पर्याप्त उत्पादन देबैबला ‘गौतम’ आ ‘विजय’ जाइतक गहुँमक बीया ५० प्रतिशत सहुलियत दरमे उपलब्ध करौलाक बाद कृषककेँ राहत भेल अइछ ।
औरही–१ के जयकिशोर यादव बीया प्राप्त कएलाक बाद खेत खनजोत आ आन तैयारी करबामे आसान भेल बतौलैन । गाउँपालिका कृषि उत्पादन बढ़ेबाक आ आधुनिक कृषि प्रविधिके प्रयोगकेँ प्रोत्साहन करबाक उद्देश्यसँ दू सालसँ प्रमुख खेती करबाक समयमे कृषककेँ बीया, मलखाद तथा कृषि उपकरण सहुलियत दरमे उपलब्ध कराबैत आएल गाउँपालिकाक अध्यक्ष शिवजी यादव जानकारी देलैन ।
“हमसभ गहुँम मात्रे नै भ धान, तरकारी आ मकै खेतीके लेल सेहो बीया, मलखाद आ कृषि उपकरण सहुलियत दरमे उपलब्ध कराबैत आएल छी । अइसँ कृषकके उत्पादन आ आयआर्जनमे सकारात्मक प्रभाव पड़ल छै,” अध्यक्ष यादव कहलैन ।
गाउँपालिकाके कृषि शाखाके अनुसार अइ साल जमा एक हजार चाइर सओ ४४ कृषककेँ गहुँमक बीया वितरण करबाक लक्ष्य अइछ । प्रति कृषक २० किलोके हिसाबसँ वितरण भ रहल बीयाके बजारक दाम प्रतिकिलो ७४ भेलमे ५० प्रतिशत छुटमे कृषकेँ उपलब्ध कराएल गेल अइछ । कृषि शाखाके प्रमुख राजदेव यादवके कहब अनुसार, वाड-वाडमे कृषकके माँग संकलन क अखनधैर करिब एक हजार कृषककेँ बीया उपलब्ध कराओल गेल अइछ । बीया वितरणक काज पुस महिनाके पहिल हप्ताधैर जारी रहबाक यादव जानकारी देलैन । (रासस)





