राजविराजमे अपन पोडकास्ट कएलक सफाइ आ राेपलक फूल


राजविराज, सप्तरी। सप्तरीक राजविराजमे सञ्चालित अपन पोडकास्ट परिवारद्वारा शइन दिन सफाइ आ फूल रोपण कार्यक्रम आयोजन कएल गेल।

पोडकास्टक संचालक लोकेन्द्र साह आ महफुज आलमकेँ पहलमे राजविराज स्थित राजरंगशाला खेल मैदान आ कल्टु दास पोखरीमे स्थानीय युवाक सक्रिय सहभागितामे सफाइ कएल गेल से जानकारी अपन पोडकास्टक संचालक लोकेन्द्र साह जानकारी देलैन । जइ कार्यक्रममे स्थानीय नागरिक आ युवाक उत्साहजनक सहभागिता रहल ।

गन्दगी व्यवस्थापन आ पर्यावरण संरक्षणके ध्यान राखैत विभिन्न ठाम डस्टबिन राखबाक स‌गे  सफाइ सम्बन्धी जनचेतनाक सन्देश प्रवाहित कएल गेल। किछु ठाम गमलामे फूल रोइपकए सौंदर्यीकरण सेहो कएल गेल । जइ स जनमानसमें सकारात्मक सन्देश पहुँचाओल जेबाक विश्वास व्यक्त कएल गेल अइछ।

संचालक लोकेन्द्रक अनुसार, शइने दिन गजेन्द्रनारायण सिंह अस्पतालक आकस्मिक कक्षमें उपचाररत राेगीसभकेँ फलफूल वितरण सेहो कएल गेल। ओ कहलनि जे अपन जन्मस्थलकेँ सफा, सुन्दर आ हराभरा बनेबाक लेल हमसब सामान्य प्रयास शुरू कएने छी, एकरा निरन्तरता देबाक प्रयास करब।

 

ताजा खबर
लोकप्रिय